spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिगुरुग्राम अस्पताल मे भर्ती विदेशी महिला संगे बलात्कार

गुरुग्राम अस्पताल मे भर्ती विदेशी महिला संगे बलात्कार

-

नई दिल्ली/ दिल्लीसँ सटल गुरुग्राममे एकटा घटना सामने आयल अछि। गुरुग्रामक एकटा प्रतिष्ठित अस्पतालमे भर्ती, विदेशी महिलाक संग बलात्कार भेल अछि। महिला के आरोप पर पुलिस अस्पताल के अटेंडेंट स्टाफ के गिरफ्तार कऽ लेलक अछि। अस्पताल प्रशासन निष्पक्ष जाञ्चक आह्वान कयलक अछि, मुदा ई घटना फेरसँ महिलासभक सुरक्षा पर प्रश्न उठौलक अछि।

गुरुग्रामक सेक्टर ५१ क्षेत्रक आर्टेमिस अस्पतालमे भर्ती एकटा व्यक्ति कजाकिस्तानक एकटा २० वर्षीय महिलाक संग कथित रूपसँ बलात्कार कयलक, पुलिस रविदिन कहलक। महिला आरोप लगओलनि अछि जे अस्पतालक परिचारक कर्मचारी हुनका सङ्ग बलात्कार कयलनि। सेक्टर ५० पुलिस स्टेशन आरोपी के खिलाफ एफआईआर दर्ज कऽ ओकरा गिरफ्तार कऽ लेलक अछि।

जांच पूरा होए तक आरोपी के ड्यूटी सँ हटा देल गेल अछि। पुलिसमे शिकायत देनिहार महिलाक कहब छनि जे जखन हुनका अस्पतालमे भर्ती कयल गेल छल, तखन दबाई आ सुइयाक प्रभावक कारण ओ पूर्ण रूपसँ सचेत नहि छलीह। ठाकुर नामक अस्पतालक एकटा कर्मचारी हुनक कोठरीमे परिचारकक रूपमे तैनात छल।

आरोप अछि जे जखन लड़की अर्ध-अचेत अवस्थामे छल, तखन आरोपी ओकर संग बलात्कार कयलक। लड़की जखन होश आबि गेल तखन ओ परिवारकेँ एहि बातमे कहलक। परिवारक सदस्य एहि घटनाकेँ लऽ कऽ अस्पताल प्रबंधनक विरोध कयलनि। एकटा पुलिस अधिकारी कहलखिन, ष्हम अस्पताल के कर्मचारी के खिलाफ एफआईआर दर्ज कऽ ओकरा गिरफ्तार कऽ लेलहुं।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts