spot_img
Saturday, August 23, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिगृहमंत्री अमीत शाह आओर प्रधानमंत्री नरेन्द्रमोदी केँ झारखण्ड मे चुनावी रैली आगामी...

गृहमंत्री अमीत शाह आओर प्रधानमंत्री नरेन्द्रमोदी केँ झारखण्ड मे चुनावी रैली आगामी 10 मई , 12 मई आओर 16 मई क्रमशः…..

-

रांची : मीडिया सूत्रक आधार पर झारखंड मे लोकसभा चुनाव केँ पहिल आ दोसर चरण केँ लेल भारतीय जनता पार्टी अपन पूरा ताकत लगा देलक अछि। पहिल चरण मे 13 मई क’ राज्य क चारि लोकसभा सीट सिंहभूम, खूंटी, लोहरदगा आ पलामू मे चुनाव होबय वाला अछि। दोसर चरण केँ लेल 20 मई क’ चतरा, कोडरमा आओर हजारीबाग तीन सीट पर चुनाव होबय वाला अछि। झारखंड केँ कुल 14 लोकसभा सीट मे सँ सात सीट केँ चुनाव दू चरण मे पूर्ण होएत। ई सात सीट एनडीए लेल महत्वपूर्ण अछि। एहन मे पार्टी अपन मतदाता के जुटाबय लेल राष्ट्रीय नेता (स्टार प्रचारक ) केँ जनसभा के आयोजन क’ रहल अछि।

एनडीए केँ लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आओर गृहमंत्री अमित शाह स्वयं लोकसभा केँ सीट पर चुनावी सभा केँ संबोधित करता। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 12 मई क’ चतरा लोकसभा क’ सिमरिया मे चुनावी जनसभा केँ संबोधित करता। ओ सिमरिया के मुरुवे मैदान मे पार्टी केँ उम्मीदवार कालीचरण सिंह केँ लेल आयोजित रैली मे शामिल हेता। एकर बाद 16 मई क’ ओ कोडरमा लोकसभा सीट सँ उम्मीदवार आ केंद्रीय राज्य मंत्री अन्नपूर्णा देवी क’ लेल बिरनी मे चुनावी जनसभा केँ संबोधित करताह। दोसर तरफ गृहमंत्री अमित शाह 10 मई क’ खूंटी पहुंच रहल छथि। ओ केंद्रीय मंत्री अर्जुन मुंडा केँ पक्ष मे खुंटी मे चुनावी सभा करता। झारखण्ड प्रदेश भाजपा प्रधानमंत्री आ गृहमंत्री केँ कार्यक्रम केँ तैयारी शुरू क’ देलक अछि। लोकसभा केँ तीनू सीट पर पार्टी केँ वरिष्ठ नेता केँ कार्यक्रम केँ सफल बनेबाक लेल राज्यक नेता आओर कार्यकर्ता जमा भ’ गेल छथि। प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी पार्टी केँ अधिकारी आ जिला प्रमुख केँ बैसार क’ निर्देश द’ चुकला अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts