लहरि रूम (रांची) : रांची मे पूर्व जिला परिषद कांके सदस्यअनिल टाइगर के दिनदहाड़े अज्ञात अपराधी द्वारा गोली मारि क’ हत्या क’ देल गेल । घटना के बाद इलाका मे हंगामा मचि गेल अछि। घटना के जानकारी प्राप्त भेलाक के बाद पुलिस सेहो मौका पर पहुंचल । पुलिस अनिल टाइगर के शव के अपना कब्जा मे ल’ क’ पोस्टमार्टम के लेल रिम्स भेज देलक अछि। मीडिया सूत्र के अनुसार पुलिस एहि मामला के जांचक क्रम मे रांची रिंग रोड के मनातू क्षेत्र सँ घटना के अंजाम देबय वला शूटर के हिरासत मे ल’ लेने अछि ।
