spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिगौर बैंग विश्वविद्यालय परिसर मे घुसि छात्रा के गरदन काटि देलक, आरोपी...

गौर बैंग विश्वविद्यालय परिसर मे घुसि छात्रा के गरदन काटि देलक, आरोपी आत्महत्याक सेहो कैलक प्रयास

-

कोलकाता/ ई घटना पश्चिम बंगालक मालदा जिलामे भेल अछि। एकटा युवक गौर बंग विश्वविद्यालय परिसरमे प्रवेश कयलक आ गणितक एकटा छात्राक गला चाकूसँ काटि देलक। घटनाक बाद युवक अपन गला काटि आत्महत्या सेहो प्रयास कैलक।

दुनूकेँ मालदा मेडिकल कॉलेज आ अस्पतालमे भर्ती कयल गेल अछि। दुनू के हालत गंभीर बनल अछि। विश्वविद्यालयक सूत्रसँ प्राप्त जानकारीक अनुसार ई युवक एतय पूर्व छात्र अछि। जानकारीक अनुसार बृहस्पति दिन विज्ञान विभाग भवन मे गणितक परीक्षा चलि रहल छल। ओही समय अचानक युवक ओतय पहुँचल आ छात्र पर चाकू सँ हमला केलक।

पीड़िताक नाम तुनाश्री चक्रवर्ती कहल जा रहल अछि। ई लड़की असमसँ एतय गणित विभागमे पढ़बाक लेल आयल छल। ओ प्रथम वर्षक छात्रा छथि। घटनाक सूचना भेटलापर विश्वविद्यालयक मेडिकल टीमक सदस्य सुमिता सरकार घटनास्थल पर पहुँचलीह। ओ कहलनि जे छात्रक गर्दन पर चोटक गहींर निशान छल। ओ अपन दुपट्टा सं ओकर गला बान्हि लेलक। बहूत खून बहैत छल। हुनका तुरंत अस्पताल भेज देल गेल।

उप रजिस्ट्रार (अतिरिक्त प्रभार) आ विकास अधिकारी राजीव पुथुण्डु बतौलनि जे ई घटना विज्ञान विभागक भवनमे भेल छल। आरोपी युवक आलोक मंडल एहि विश्वविद्यालयक पूर्व छात्र छथि।

ओ कहलखिन जे पहिने दुनू गोटेक जान बचबाक चाही। एकर बाद मामला के जांच कएल जाएत। युवक एहि घटनाकेँ किएक अंजाम देलक एकर कारण पता नहि चलल अछि। एहि घटनाक बाद सँ छात्रसभमे दहशत पसरि गेल अछि। पुलिस एहि घटनाक जाँच शुरू कऽ देलक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts