लहरि रूम (रांची ) :लैंडफॉल के बाद चक्रवाती तूफान ‘दाना’ कमजोर होबय लागल अछि। हालांकि बंगाल आओर ओडिशा मे एखनो तेज हवा चलि रहल अछि। चक्रवात ‘दाना’ केँ बारे मे एनडीआरएफ केँ डीआईजी मोहसेन शहेदी कहलनि जे, भयंकर चक्रवाती तूफान दाना 24 अक्टूबर क’ आधा राति आ 25 अक्टूबर केँ भोररबा में आयल छल। लैंडिंग प्रक्रिया भोर करीब 8:30 बजे पूरा भ’ गेल। एकर बाद ई चक्रवात मे रूपांतरित भ’ गेल आओर आओर अगला 6 घंटा मे गहरा दबाब मे रूपांतरित होयबाक उम्मीद अछि । एखन धरि एनडीआरएफ केँ कोनो पैघ नुकसान केँ जानकारी नहि अछि। एसओसी द्वारा प्रभावित क्षेत्र सँ विस्तृत जानकारी एकत्र कयल जा रहल अछि। हवाई यातायात केँ संग सामान्य सेवा सेहो बहाल कयल गेल अछि।
Cyclone Dana : झारखण्ड मे ‘दाना’ केँ असरि
बंगाल केँ खाड़ी सँ उत्पन्न चक्रवात तूफान दाना केँ प्रभाव झारखंड मे सेहो देखबा मे आबि रहल अछि । आई (शुक्र दिन ) भोरे सँ झारखंड केँ लगभग सब क्षेत्र मे मेघ लागल अछि आ छिटपुट रूप सँ बरखा सेहो भ रहल अछि । मौसम विभाग केँ अनुसार शुक्रदिन आधा राति यानी 25 अक्टूबर केँ भोररबा मे पुरी केँ नजदीक चक्रवात अयला केँ बाद रांची, जमशेदपुर, चाईबासा, सेरैकेला, खूंटी, लोहरदगा, सिमडेगा, गुमला, रामगढ़, पलामू सहित दक्षिण, मध्य आ पूर्वी भाग मे एहि केँ असरि देखबा मे आबि रहल अछि । बहुत क्षेत्र 50 सँ 60 किलोमीटर प्रति घंटा केँ रफ्तार सँ तेज हवा केँ संग भारी बरखा केँ चेतावनी देल गेल अछि । चक्रवाती तूफान दाना केँ कारण शुक्रदिन 25 अक्टूबर क’ कोलहान संभाग केँ स्कूल मे छुट्टी रहत। स्कूल शिक्षा आ साक्षरता विभाग एहि संबंध मे पत्र जारी केलक अछि।
