राँची : मुख्यमंत्री चम्पई सोरेन आइ साँझ मे मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा द’ राज्यपाल सीपी राधाकृष्णन केँ सुपुर्द कयलनि । राज्यपाल राधाकृष्णन पाडुचेरी यात्रा सँ आइ साँझ स्वयं रांची पहुँचला । सोरेन केँ इस्तीफा केँ बाद हेमंत सोरेन सरकार बनेबाक लेल राज्यपाल केँ दावा प्रस्तुत कयलनि। सूत्रक अनुसार हेमंत सोरेन केँ मुख्यमंत्री शपथ ग्रहण समारोह मे सेहो बहुत रास मंत्री शपथ लेताह। जाहि मे सूत्र जानकारी अछि जे राजद विधायक सत्यानंद भोक्ता सेहो मंत्री पदक शपथ लेता।
