spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिचम्पाई केँ भाजपा में प्रवेश सँ नाराज बाबूलाल-अर्जुन मुंडा!

चम्पाई केँ भाजपा में प्रवेश सँ नाराज बाबूलाल-अर्जुन मुंडा!

-

नई दिल्ली : भाजपा केँ वरिष्ठ नेता आ असम केँ मुख्यमंत्री हिमंत विश्व सरमा विधानसभा चुनाव सँ पहिने इंडिया एलायंस केँ झटका देबाक केँ रणनीति बनौलनि। एहि मे भाजपा केँ पहिल सफलता चम्पाई सोरेन केँ रूप मे भेटल। चम्पाई सोरेन 30 अगस्त क’ भाजपा मे शामिल हेताह। मुदा राजनीतिक हलका मे सेहो चर्चा शुरू भ’ गेल जे भाजपा पार्टी केँ दूटा बड़का आदिवासी नेता बाबूलाल मरांडी आओर अर्जुन मुंडा चम्पाई सोरेन केँ भाजपा मे शामिल भेला सँ आंतरिक रूप सँ प्रसन्न नहि छथि।

बाबूलाल मरांडी पीएम मोदी सँ भेंट केलनि

चम्पाई सोरेन केँ भाजपा मे सम्मलित होबय केँ फैसला केँ ल’ क’ बाबूलाल मरांडी केँ नाराजगी केँ खबरि भेटति केंद्रीय नेतृत्व सक्रिय भ’ गेल। बाबूलाल मरांडी केँ आनन -फानन मे दिल्ली बजाओल गेल। पार्टीक वरिष्ठ नेता लोकनि हुनका संग चर्चा केलनि। बाद मे बाबूलाल मरांडी प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सँ भेंट केलनि। एहि बैसारक बाद बाबूलाल मरांडी द्वारा चम्पाई सोरेन केँ भाजपा मे स्वागत करबाक संबंध मे एकटा बयान जारी कयल गेल। कहल जा रहल अछि जे जाहि तरहे चम्पाई सोरेन केँ भाजपा मे सम्मलित करबाक फैसला भेल ओहि मे राज्यक नेतृत्व केँ विश्वास मे नहि लेल गेल अछि। ओहि मे केवल बाबूलाल मरांडी टा नहि बल्कि कोलहान क्षेत्र केँ कईटा भाजपा नेता आओर कार्यकर्ता मे सेहो आक्रोश देखल जा रहल अछि। ओना पीएम मोदी सँ भेंट केँ बाद बाबूलाल मरांडी साफ क’ देलनि जे आक्रोश नामक कोनो बात नहि अछि। 15 दिन पहिने चम्पाई सोरेन सँ बातचीत चलि रहल छल आओर भाजपा नेतृत्व केँ तरफ सँ फैसला भेल जे अगर ओ पार्टी मे शामिल होबय चाहय छथि, त हुनक स्वागत होएत ….

अर्जुन मुंडा सेहो 24 घंटाक बाद चम्पाई सोरेन केँ स्वागत केलनि

भाजपा केँ वरिष्ठ नेता अर्जुन मुंडा सेहो पूर्व सीएम चम्पाई सोरेन केँ लगभग 24 घंटा बाद भाजपा मे शामिल हेबाक फैसला केँ स्वागत केलनि। कहल जा रहल अछि जे जखन भाजपा केँ केंद्रीय नेतृत्व द्वारा बाबूलाल मरांडी आ अर्जुन मुंडा केँ संदेश देल गेल जे 30 अगस्त केँ होबय वाला बैसार केँ सफल बनाबय पड़त तखन बाबूलाल मरांडी केँ संग अर्जुन मुंडा चम्पाई सोरेन केँ स्वागत केलनि । अर्जुन मुंडा अपन संदेश मे कहलनि – आदिवासी केँ मात्र वोट लेल राजनीति करब स्वीकार्य नहि अछि। एकटा आदिवासी केँ सत्ताक लोभ केँ कारण मुख्यमंत्री के पद सँ हटा देल गेल अछि। देश भर मे आदिवासी केँ नीति आ सिद्धांतक संग संगठित करबाक एहि पैघ कदम केँ हिस्सा केँ रूप मे चंपाई सोरेन केँ भाजपा मे सम्मलित होयब शुभ संकेत अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts