spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिचम्पाई सोरेन पर चढ़ल भगवा रंग : विधिवत भेला 'भाजपा' मे सम्मलित...

चम्पाई सोरेन पर चढ़ल भगवा रंग : विधिवत भेला ‘भाजपा’ मे सम्मलित -‘टाईगर जिंदाबाद ‘ केँ खुब लागल नारा

-

रांची(झारखण्ड ): झारखंड केँ पूर्व मुख्यमंत्री चंपाई सोरेन शुक्रदिन औपचारिक रूप सँ भारतीय जनता पार्टी मे सम्मलित भ’ गेलाह। झारखंड भाजपा चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान, सह प्रभारी आओर असम केँ मुख्यमंत्री हेमंत विश्व सरमा एवं प्रदेश प्रभारी लक्ष्मीकांत वाजपेयी केँ उपस्थिति मे प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी द्वारा चम्पाई सोरेन आओर हुनक पुत्र बाबूलाल सोरेन केँ भाजपा कें सदस्यता प्रदान कराओल गेल।

चम्पाई सोरेन केँ हजारों समर्थक रांची पहुंचला

एहि सँ पहिने रांची ,धुर्वा केँ शाखा मैदान मे भाजपा केँ तरफ सँ मुख्यमंत्री चंपाई सोरेन केँ स्वागत करबाक लेल अभिनंदन समारोह केँ आयोजन कयल गेल। जाहि मे चम्पाई सोरेन केँ हजारों समर्थक भव्य समारोह मे पहुंचल छलाह आ ओ सब कोलहान टाइगर जिन्दाबाद आओर टाईगर अभी जिन्दा है केँ नारा लगा रहल छलाह। बाबूलाल मरांडी जखन चम्पाई सोरेन केँ पार्टी केँ सदस्यता द’ क’ गला मिल क’ बधाई देलखिन त’ पूरा क्षेत्र वाहवाही आ कोलहान टाइगर जिन्दाबाद केँ नारा सँ गूंजल लागल । एहि आयोजन पूर्व मुख्यमंत्री अर्जुन मुंडा, केंद्रीय रक्षा राज्यमंत्री संजय सेठ, पूर्व प्रदेश अध्यक्ष दीपक प्रकाश, पूर्व विधायक सीता सोरेन सहित अनेको भाजपा नेता मंच पर मौजूद छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts