लहरि रूम : लोकसभा चुनाव 2024 केँ चारिम चरण आई संध्या 6 बजे सँ प्रचार प्रसार बंद भ’ गेल। जनप्रतिनिधि लोकनि द्वारा की आओर कोना बीतल पांच साल मे कयल गेल ताहि केँ हिसाब किताब मतदाता अपन मतक माध्यम सँ 13 मई क’ मूल्याङ्कन करतनि। चारिम चरण मे भाजपा केँ सामने अपन दिग्गज केँ फेर सँ लोकसभा मे भेजय केँ बड़का चुनौती अछि। एहि चरण मे नेता गिरिराज सिंह क’अपन अस्तित्व बरकरार रखबाक अछि त’ उजियारपुर सँ गृहमंत्री क’ पसंदीदा नित्यानंद राय क’ सीट बचाबय लेल संघर्ष सँ गुजरय पड़त। एतय तक कि गोपाल जी ठाकुर ककेँ सामने दरभंगा सँ कड़ा चुनौती अछि। एहि सीट पर मतदान 13 मई क’ होएत। जखन कि मुंगेर मे ललन सिंह क’ अनिता देवी क बीच प्रतिस्पर्धा अछि आ समस्तीपर मे नेता क’ बेटा-बेटीक (कांग्रेस सँ सन्नी हजारी एलजेपी (र) सँ शांभवी चौधरी ) बीच प्रतिस्पर्धा अछि।
दरभंगा लोकसभा सीट पर भाजपा केँ जीत बचाबय केँ चुनौती सेहो अछि। एहि ठामक निवर्तमान सांसद गोपाल जी ठाकुर राजद केँ ललित यादव सँ मुकाबला मे छथि। 2019 केँ लोकसभा चुनाव मे भाजपा दरभंगा सँ गोपाल जी ठाकुर केँ मैदान मे उतारलक। भाजपा के उम्मीदवार बदलला केँ फायदा ई भेल जे ओकर वोट मे 22.61 प्रतिशत केँ बढ़ोतरी भेल। गोपाल जी ठाकुर राजदक अब्दुल बारी सिद्दीकी केँ 267979 वोट केँ अंतर सँ हरा देलखिन्ह। गोपाल जी केँ 586668 वोट आओर अब्दुल बारी सिद्दीकी केँ 318689 वोट प्राप्त भेल रहनि।