लहरि रूम : बीतल सप्ताह भारतीय शेयर बाजार कारोबार हेतु नीक नहि कहल जा सकैत अछि। वृहस्पति दिन बाजार मे पैघ गिरावट आयल छल । सेंसेक्स करीब 809 अंक गिरिकय 81688 पर बंद भ’ गेल छल । जखन कि निफ्टी मे 235 अंक क’ गिरावट आयल छल । एहि गिरावटक संग इ 25014 अंक पर बंद भेल छल ।
शुक्रदिन सेहो शेयर बाजार मे पैघ गिरावट आयल। सप्ताह केँ कारोबार केँ अंतिम दिन सेंसेक्स मे 800 अंक सँ बेसी केँ गिरावट दर्ज कयल गेल । निफ्टी मे सेहो 200 अंक सँ बेसी केँ गिरावट आयल। 5 दिनक कारोबार मे सेंसेक्स में 4100 अंक सँ बेसी के गिरावट आयल। एहि गिरावट केँ कारण निवेशक केँ करीब 16 लाख करोड़ टका केँ नुकसानक अनुमान लगाओल जा रहल अछि ।
एक दिन पहिने यानी वृहस्पति दिन सेंसेक्स मे 1700 अंक सँ बेसी क गिरावट आयल छल। एकर कारण करीब 10 लाख करोड़ टका केँ निवेशक सबके नोकसान भेलनि अछि । जून 2022 केँ बाद ई पहिल बेर अछि जे शेयर बाजार मे पूरा सप्ताह मे गिरावट आयल अछि। ईरान-इजरायल युद्ध केँ कारण बाजार पर प्रतिकूल असर पड़ल अछि । एहि केँ संग चीन केँ द्वारा प्रस्तावित प्रोत्साहन पैकेज सेहो भारतीय शेयर बाजार मे गिरावट केँ कारण बनल अछि । एहि केँ कारण सँ विदेशी निवेशक भारतीय बाजार सँ पैसा निकाली केँ चीनक तरफ अपन रुख कयलनि अछि ।