spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिचुनावी रणनीति बनाबै लेल दिल्ली मे ,झारखण्ड केँ मुखीया 'हेमंत सोरेन' !

चुनावी रणनीति बनाबै लेल दिल्ली मे ,झारखण्ड केँ मुखीया ‘हेमंत सोरेन’ !

-

नई दिल्ली : झारखंड केँ मुख्यमंत्री आओर झामुमो नेता हेमंत सोरेन आई (शनिदिन) दिल्ली मे कांग्रेस संसदीय पार्टी केँ प्रमुख सोनिया गांधी सँ भेंट कयलनि । मनी लांड्रिंग मामला मे जेल सँ जमानत पर रिहा भेलाक बाद सोरेन अपन पत्नी कल्पना केँ संग पहिल बेर सोनिया गांधी केँ आवास 10 जनपथ पहुंचला । एकर बाद झारखंड के सीएम हेमंत सोरेन दिल्ली के मुख्यमंत्री आवास पर पहुंचलाह आओर दिल्ली के सीएम अरविंद केजरीवाल के पत्नी सं भेंट केलनि.

सोरेन कहलनि जे, भाजपा न्यायपालिका केँ अपमान क’ रहल अछि। ओ कहलनि जे, जेल सँ अयलाक बाद सोनिया गांधी सँ भेंट नहि भेल छल। ताहि लेल हम भेंट करय लेल आयल छी। झारखंड विधानसभा चुनाव केँ संबंध मे चर्चाक प्रश्न पर ओ कहलनि जे एहि संबंध मे सोनिया गांधी सँ कोनो तरहक चर्चा नहि भेल अछि। भाजपा केँ “संविधान हत्या दिवस” घोषित करय केँ प्रश्न पर सोरेन कहलनि जे भारत केँ जनता बहुत सहनशील आ सहयोगी अछि। ओ बहुत सहैत छथि आ जखन सहन नहि क’ सकैत छथि त’ वोटिंग केँ माध्यम सँ अपन विचार व्यक्त करैत छथि। अरविंद केजरीवाल केँ अंतरिम जमानत केँ मुद्दा पर ओ कहलनि जे, उम्मीद अछि जे केजरीवाल केँ जल्द जमानत भेटतनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts