spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिचुनाव आयोग राजनीतिक दलक प्रतिनिधिक संग बैसार केलक

चुनाव आयोग राजनीतिक दलक प्रतिनिधिक संग बैसार केलक

-

राँची/ निर्वाचन आयोग राजनीतिक दलक सङ्ग बैसार कयलक जे नाम मतदाता सूचीमे अछि वा नहि। बैसारमे भाजपाक तरफ सँ उपस्थित सुधीर श्रीवास्तव कहलनि जे चुनाव आयोग २५ जुलाई २४ केँ बारह बजे सँ एक बजे धरि दिन मे अभियान चलाओत, जकर नाम हैशटैग नाम चेक करत।

एहि अभियानकेँ चलयबाक उद्देश्य ई अछि जे प्रत्येक मतदाता मतदाता सूचीमे अपन नाम पाबि सकय आ यदि नहि तँ ९ अगस्त धरि अपन नाम जोड़ि दियौक। सुधीर श्रीवास्तव कहलनि जे ई अभियान निर्वाचन आयोग द्वारा शुरू कयल गेल अछि किएक तँ लोकसभा चुनाव २४ मे मतदाता सूचीसँ कतेको मतदाताक नाम गायब छल आ एहि संबंध मे कतेको बेर निर्वाचन आयोगमे शिकायत दर्ज करायल गेल छल।

मतदाता सूची २५ जुलाईकेँ प्रकाशित होबयवला अछि आ एकर हार्ड कॉपी, सॉफ्ट कॉपी, सभ राजनीतिक दलकेँ पठाओल जायत। मतदाता सूचीमे अपन नाम चेक करबाक तरीका ई अछि जे वोटर हेल्प लाइन ऐप डाउनलोड कऽ ओकरा देखू या वोटर पोर्टल सँ चेक करू या एमबी स्पेस ईपीआईसी नंबर आ मैसेज १९५० टाइप करू।

यदि उपरोक्त प्रक्रिया करलाक बादो नाम नहि भेटैत अछि तखन तत्काल अपन नाम ऑनलाइन जोड़ू अथवा ऑफलाइन बूथ पर जाउ आ बीएलओ पर जाउ आ फॉर्म ६ भरू। बीएलओ सभ बूथ पर २७/२८ जुलाई आ ३/४ अगस्त के बैसार करत।

भाजपा, आप, आजसू, बसपा, राजद दलक प्रतिनिधि बैसारमे भाग लेलनि मुदा कांग्रेस, झामुमो, एनपीपी, भाकपा पार्टीक कोनो प्रतिनिधि भाग नहि लेलनि। भाजपासँ सुधीर श्रीवास्तव आ रविन्द्र कुमार बैसारमे भाग लेलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts