मैथिली भाषा -भाषी कें शीर्षस्थ प्रतिनिथि संस्था चेतना समिति, पटना कें भेल नव कार्यकारणी कें गठन।

लहरि रूम (पटना) :काइल दिनाँक 21 जुलाई 2025 चेतना समिति कें नव टीम कें चुनाव परिणाम आबि गेल। जाहि मे स्थानीय विद्यापति भवन मे समिति कें निर्वाचन मे विवेकानंद झा जी अपन प्रतिद्वंदी ऋषि मिश्र कें 128 मत सँ पराजित क’ कार्यकारिणी सत्र 2025-28 हेतु अध्यक्ष निर्वाचित भेला।
तीनटा उपाध्यक्ष पद हेतु प्राप्त मत मे उमेश मिश्र सर्वाधिक 794 मत, मंजू झा जी के 768 आओर विपेन्द्र झा ‘माधव’ केन 659 मत प्राप्त भेलनि। पराजित प्रत्याशी लोकनि मे अरुण कुमार झा के 611, डॉ शीला चौधरी के 508 आओर राजेश झा 441 मत प्राप्त भेलनि।
सचिव पद हेतु जयदेव मिश्र 742 मत प्राप्त क’ अपन प्रतिद्वंदी विवेकानंद ठाकुर कें परास्त कयलनि। श्री ठाकुर कें 575 मत प्राप्त भेलनि।
विजयी कोषाध्यक्ष श्रीनारायण झा कें 717 मत भेटलनि जखन हुनक प्रतिद्वंदी दयानाथ जी कें 555 मत प्राप्त भेलनि।
संयुक्त सचिव के तीनटा पद हेतु मनोज कुमार झा 719, दिनेश चंद्र झा कें 669 आओर सतीश चंद्र झा कें 667 मत प्राप्त क’ विजयी भेला। हिनक प्रतिद्वंदी लोकनि मे अनिल कुमार झा 569, मदन कुमार पाठक कें 563 आओर जितेंद्र मिश्र कें 489 मत प्राप्त भेलनि।
संगठन सचिव पद हेतु सुश्री प्रियंका मिश्र 646 मत प्राप्त भेलनि हुनक प्रतिद्वंदी प्रशांत कुमार मिश्र कें 634 मत प्राप्त भेलनि।
प्रचार सचिव पद हेतु पूजा कुमारी झा 777 मत प्राप्त क’ विजयी भेली। हिनक प्रतिद्वंदी पवन कुमार झा कें 509 मत प्राप्त भेलनि।

निर्वाचन कें प्रक्रिया अवकाश प्राप्त आई. ए. एस अधिकारी भरत झा मे सम्पन्न भेल। बतौर निर्वाचन अधिकारी श्री झा अहि चुनावी प्रक्रिया कें संपन्न करौलनि। सम्पूर्ण भारतवर्ष मे रहनिहार 1437 सदस्य लोकनि अहि मतदान मे अपन सहभागिता देलनि।