spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिजनकल्याणर्थ रुद्राभिषेक केँ भेल आयोजन : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची

जनकल्याणर्थ रुद्राभिषेक केँ भेल आयोजन : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची

-

रांची : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ द्वारा जन कल्याणार्थ रुद्राभिषेक साओन मासक तृतीय सोमवारी आई 5 अगस्त 2024 क’ बेरुपहर मे समिति केँ कार्यालय मे आयोजित भेल । एहि आयोजन मे पार्थिव शिवलिंग केँ निर्माण सिमरिया सँ आनल गंगोट सँ बनाओल गेल । बाबा केँ रुद्राभिषेक गंगाजल ,दूध , कुसियारक रस डाभक जल , मधु इत्यादि सँ कयल गेल । समिति केँ सदस्य लोकनिक संग आमंत्रित मिथिलावासी सब उपस्थित भ’ रुद्राभिषेक कयलनि। एहि रुद्राभिषेक यजमान समिति केँ सदस्य आशुतोष झा (आशु झा ) सपरिवार छला। रुद्राभिषेक पुरोहित मुकेश झा शास्त्री आओर बिंदु झा शास्त्री केँ द्वारा सम्पन्न कराओल गेल। रुद्राभिषेक केँ उपरांत भव्य भण्डारा केँ आयोजन कयल गेल। एहि आयोजन मे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् केँ प्रदेश अध्यक्ष अमर नाथ झा, समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा, मृत्युंजय झा, राधेश्याम यादव, संतोष मिश्रा, अशोक मिश्र, उदित नारायण ठाकुर, दिलीप झा, देवेंद्र ठाकुर, पुर्णेन्दु ठाकुर, जय शंकर दुबे, श्याम शंकर चौबे , विमल कच्छप, भानु कच्छप , रमेश भारती, अशोक पाण्डेय आओर ज्ञानदेव झा संग अनेकों मिथिलावासी आ शहरवासी उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts