रांची : एक दिन केँ बरखा सँ सम्पूर्ण रांची जलमग्न भ’ गेल। आई प्रातः काल भारत सरकार केँ रक्षा राज्य मंत्री आओर रांची जिला केँ सांसद विभिन्न क्षेत्र केँ भ्रमण कयलनि। स्थिति जायजा लैत वर्तमान झारखण्ड सरकार आओर प्रशासन पर अपन वक्तव्य सँ प्रहार कयलनि आओर कहलनि “जे भारी बरखा केँ कारण आई अनेको परिवार अपन अपन घर मे कैद छथि। रांची केँ बांधगाड़ी केँ स्थिति भयावह अछि। अपार्टमेंट आओर सोसाइटी मे रहै वला पाइन सँ घेरा क’ रहि गेला अछि। दू दिन अन्हार मे छथि आओर पिबय जोकरक जल नहि छनि। “

संजय सेठ रांची डीसी आओर नगर आयुक्त केँ संग वार्ता कय क’ त्वरित कार्रवाई करबाक अविलम्ब राहत पहुँचेबाक निर्देश देलनि। अधिकारी लोकनि केँ प्राथमिकता केँ आधार पर शहर सँ जल निकासी केँ व्यवस्था करबाक संगहि महिला एवं बच्चा सबहक भोजन आओर पाइन केँ निर्देश देलनि।
