spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिजिंदल ग्रुप फर्म के CEO पर FIR दर्ज, सहयात्री महिला संगे छेड़छाड़...

जिंदल ग्रुप फर्म के CEO पर FIR दर्ज, सहयात्री महिला संगे छेड़छाड़ के छैन आरोप

-

कोलकाता/ जिंदल समूहक फर्म वल्कन ग्रीन स्टीलक मुख्य कार्यकारी अधिकारी दिनेश कुमार सरावगीक विरुद्ध कोलकातासँ अबू धाबी जायवला उड़ानमे एकटा महिला सहयात्रीसँ कथित रूपसँ छेड़खानी करबाक आरोपमे कोलकातामे प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। मामला पछिला सप्ताह 16 जुलाई के अछि।

एहि घटनाक पीड़ित २८ वर्षीय अनन्याक माता-पिता शनिदिन कोलकाताक हवाई अड्डा पुलिस स्टेशनमे शिकायत दर्ज कयलनि, जकर आधार पर विधाननगर सिटी पुलिस स्टेशनमे प्राथमिकी दर्ज कयल गेल अछि। ई जानकारी बिधाननगर पुलिस अधिकारी देलनि अछि।

अधिकारी कहलनि जे भारतीय दंड संहिताक धारा ७४ आ ७५ के तहत मामला दर्ज कऽ जांच शुरू कऽ देल गेल अछि। महिला यात्री सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर आरोप लगओने छलीह जे अधिकारी फिल्म क्लिपक दावा कऽ ओकर वीडियो देखौलनि। घटनाक समय एहि मामलामे कोनो प्राथमिकी दर्ज नहि कयल गेल छल।

अनन्या बोस्टन, अमेरिका जा रहल छलीह। ओ सभ अबू धाबी के लेल एकटा कनेक्टिंग फ्लाइट पकड़ने छलाह। ओ कहैत छथि, उड़ानक बिजनेस क्लासमे मात्र ८ गोटे छलाह। ओहिमे दिनेश कुमार सरावगी सेहो छलाह। हम ओकरा पहिले नहि जानैत छलहुं। हमर परिचय फ्लाइट मे बैसल काल भेल।

जिंदल समूहक कम्पनीक एकटा अधिकारीपर यौन उत्पीड़नक आरोप लगलाक बाद नवीन जिंदल कहलनि जे एहि मामिलामे कठोर कार्रवाई कयल जायत। ई सब कहबा मे बहुत साहस के जरूरत अछि।

६५ वर्षीय दिनेश कुमार सरावगी ओमानमे वल्कन ग्रीन स्टीलक सीईओ छथि। ई कंपनी जिंदल स्टीलक हिस्सा अछि। सरावगी मार्च २०२३ धरि जिन्दल शेड आयरन एंड स्टीलक बोर्डमे कार्यकारी निदेशक छलाह। ओ पद छोड़बा धरि इस्पात कम्पनीक सीईओ छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts