spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिजुड़शीतल आ मिथिला नववर्ष के अवसर पर बाबा विद्यापति के प्रतिमा पर...

जुड़शीतल आ मिथिला नववर्ष के अवसर पर बाबा विद्यापति के प्रतिमा पर माल्यार्पण आ राहगीर के बीच चना गुड़ आओर जलक कयलक वितरण : झारखण्ड मैथिली मंच, रांची

-

लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड मैथिली मंच,रांची के तत्वावधान मे आइ मिथिला के लोक पर्व जुड़शीतल आ मैथिली नव वर्ष के अवसर पर झारखण्ड के राजधानी रांची के मेन रोड (मुख्य सड़क) पर स्थित बाबा विद्यापति के प्रतिमा पर माल्यार्पण कयल गेल तदोपरांत विद्यापति चौक पर राहगीर के बीच मे चना, गुड़ आ जलक वितरण कयल गेल। आजुक आयोजन मंच के संरक्षक आ रांची नगर निगम वार्ड 26 के पूर्व पार्षद अरुण कुमार झा अपन वक्तव्य मे कहलनि जे झारखण्ड मैथिली मंच प्रत्येक वर्ष अपन इ आयोजन करैत आबि रहल अछि। नवतुरिया सबके बेसी सँ बेसी अपन लोक पर्व आ संस्कृति के रक्षार्थ आगू ऐबाक चाहि।

अहि आयोजन मे संगरक्षक अरुण कुमार झा संग मंच के महासचिव जयंत झा, कोषाध्यक्ष संतोष मिश्र, मीडिया प्रभारी ब्रज कुमार झा, सोशल मीडिया प्रभारी रणधीर झा एवं वरिष्ठ सदस्य सुकुमार झा, प्रेम चंद्र झा, नरेश झा संग अनेको सदस्य उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts