नई दिल्ली : लोकसभा चुनाव 2024 सँ पहिने आम आदमी पार्टी सोमदिन ( 8 अप्रैल) क’ तिहार जेल मे बंद दिल्ली केँ मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल आ पार्टी क’ जनसमर्थन लेल ‘जेल का जवाब वोट से’ अभियानक शुरू केलक अछि।आम आदमी पार्टी केँ राज्यसभा सदस्य संदीप पाठक प्रेस कॉन्फ्रेंस के दौरान ओ कहलनि जे, अरविंद केजरीवाल केँ एकटा पैघ साजिश के तहत गिरफ्तार कायल गेल छल। लोकसभा चुनाव केँ दौरान ई पहिल बेर अछि जखन कोनो बैसल मुख्यमंत्री केँ गिरफ्तार कएल गेल अछि। हम सब ‘जेल का जवाब वोट से’ अभियान शुरू क’ रहल छी आ हम चाहैत छी जे अहाँ (लोकसब ) केजरीवाल केँ सशक्त बनाबी।
Trending Now
