नई दिल्ली : मीडिया सूत्र केँ अनुसार देश मे भ’ रहल जातिगत राजनीति पर केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी अपन नाराजगी जतौलनि अछि। पुणे मे एकटा कार्यक्रम मे ओ अपन मुखर अंदाज मे जातिगत राजनीति करय वाला लोक केँ खरी -खोटी सुना देलनि। ओ कहलनि जे महाराष्ट्र मे एखनो जातिगत राजनीति चलि रहल अछि, मुदा हम जातिवाद मे विश्वास नहि करैत छी। जे कियो जाति केँ बात करत हुनका ओ लात मारि देता । भाजपा नेता कहलनि जे, ओ अपन क्षेत्र मे सेहो जाति केँ बात करय वाला केँ अपन वक्तव्य सँ बुझा देलनि। ओ कहला जे हुनकर क्षेत्र मे 40 प्रतिशत मुसलमान अछि, ताहि लेल चुनाव प्रचार केँ दौरान ओ मतदाता केँ साफ-साफ कहने छलाह जे ओ आरएसएस केँ सदस्य छथि आ हाफ पैंट पहिरैत छथि, ताहि लेल वोट करबा सँ पहिने सोचू ताकि बाद मे पछतावा नहि होए। जे वोट देत ओकरा लेल काज करब आ जे वोट नहि देत ओकरा लेल काज करब।
Trending Now
