लहरि रूम (रांची) : झारखंड मे जेना-जेना चुनाव नजदीक आबि रहल अछि, माहौल लगातार बदलैत जा रहल अछि। I-N-D-I गठबंधन मे सेहो दिक्कत बढ़य वाला अछि। झारखंड विधानसभा केँ 22 सीट पर राजद (RJD) अपन दावा पेश केलक अछि।
झामुमो-कांग्रेस के सीट बंटवारा केँ फार्मूला तार्किक नहिं अछि : मनोज कुमार झा
राजद केँ राष्ट्रीय प्रवक्ता आ राज्यसभा सांसद मनोज कुमार झा रविदिन रांची मे पत्रकार सम्मेलन मे कहलनि जे 22 सीट पर पार्टी केँ रुख मजबूत अछि। ओ कहलनि जे, पिछला चुनाव मे सेहो राजद सात सीट पर चुनाव लड़ल छल, जाहि मे सँ एकटा सीट जीतल छल आओर पांच सीट पर बहुत कम अंतर सँ हारल छल।

3 सँ 4 सीट पर चुनाव लड़य लेल कहब गला काटय केँ समान अछि….
मनोज कुमार झा कहलनि जे सम्मानजनक सीट भेटबाक चाही। सीएम आवास पर भेल बैसारक क्रम मे राजद केँ 3 सँ 4 सीट पर चुनाव लड़य लेल कहनाय गला काटि क’ थारी मे राखय केँ समान अछि। ओ कहला जे 2014 आ 2019 मे राजद केँ उम्मीदवार जे सीट पर उपविजेता छल। 2019 केँ चुनाव मे सेहो पार्टी 5 सीट पर उपविजेता छल। मुदा एहि बेर स्थिति अलग अछि। एहि बेर राजद कईटा सीट पर मजबूत अछि। मुदा ओहि हिसाबे सीट बँटवारा नहि होइत अछि से दुर्भाग्यपूर्ण अछि।
एहि सँ पूर्व काइल शनि दिन झारखंड विधानसभा चुनाव केँ संबंध मे झामुमो-कांग्रेस आओर राजद सहित अन्य वाम दल केँ तरफ सँ कागजी काज लगभग भ’ गेल छल। सब समीकरण कागज पर लिखल गेल छल आ वोट के गुणा – भाग सेहो भ’ गेल। ओहि हिसाब सँ एहि बेर इंडिया एलायंस अपन पूरा ताकत सँ कदम उठा रहल अछि। एहि कारण सँ एहि बेर गठबंधन दलक नेताक बैसार मे कतेको सीट क’ आदान-प्रदान केँ अलावा संभावित उम्मीदवारक नाम पर सेहो चर्चा भेल।
मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन शनिदिन रांची स्थित अपन आधिकारिक आवास पर पत्रकार सम्मेलन मे गठबंधनक घोषणा केलनि । ओ कहलनि जे, कांग्रेस आ झामुमो 70 सीट पर चुनाव लड़त। शेष सीट पर अन्य सहयोगी उम्मीदवार लड़ताह। ओ कहला जे एहि बेर राजद केँ अलावा भाकपा एमएल केँ सेहो गठबंधन मे शामिल कैल गेल अछि। मुख्यमंत्री एखन खुलासा नहि केलनि अछि जे झामुमो आ कांग्रेस कतेक सीट पर चुनाव लड़त।
I-N-D-I गठबंधन मे पिछला बेर केँ तरह एहि बेर सेहो सीएम चेहरा छथि – हेमंत सोरेन
2019 केँ विधानसभा चुनाव मे I-N-D-I गठबंधन मे शामिल दल सीएम हेमंत सोरेन केँ मुख्यमंत्री केँ चेहरा बना क’ चुनाव लड़ने आओर एहि चुनाव मे गठबंधन केँ बहुमत केँ लेल जरूरी 42 सीट सँ बेसि भेटल छल। एहि बेर सेहो हेमंत सोरेन सीएम चेहरा छथि।