
लहरि रूम(रांची) : भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस के अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगे के पहल पर झारखंड केर रणधीर झा के किसान कांग्रेस ओडिशा राज्य केँ सोशल मीडिया प्रभारी नियुक्त कयल गेलनि अछि । एहि केर अतिरिक्त अन्य राज्य केर विभिन्न कांग्रेस केँ नेता लोकनि केँ सेहो अलग-अलग राज्य मे सेहो दायित्व देल गेल छनि । अपन नव दायित्व भेटला पर रणधीर झा पार्टी अध्यक्ष संग किसान कांग्रेस केर अध्यक्ष सुखपाल सिंह खैरा आ उपाध्यक्ष अखिलेश शुक्ला के प्रति अपन आभार व्यक्त केलनि अछि । अपन वक्तव्य मे ओड़िसा राज्य केँ नव नियुक्त सोशल मीडिया प्रभारी रणधीर झा कहलनि जे कांग्रेस पार्टी केर शीर्ष नेतृत्व केँ सहयोग आ मार्गदर्शन हुनका लेल बहुत महत्वपूर्ण छनि । पार्टी जाहि रूप मे भरोसा बनेंने अछि ओ भरोस कहियो नहि टूटत। श्री झा के कहब छनि जे उड़ीसा पहुंच अपन कार्य क्षेत्र मे कांग्रेस केँ आगा बढबै मे कोनो कमी नहि करब।

मूलतः रणधीर झा मिथिला क्षेत्र केर मधुबनी जिला केँ भक्षी ग्राम केँ निवासी छथि।

