spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखंड के निकाय चुनावके भेल घोषणा , जाहि मे 23 फरवरी के...

झारखंड के निकाय चुनावके भेल घोषणा , जाहि मे 23 फरवरी के मतदान आओर 27 फरवरी के मतगणना होयत !

-

लहरि रूम (रांची) : झारखंड के निकाय चुनाव के लेल चुनाव प्रचार शुरू भ’ गेल अछि। झारखंड राज्य निर्वाचन आयुक्त अलका तिवारी द्वारा आई 27 जनवरी 2026 क’ एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे आधिकारिक घोषणा केलनि ।निर्वाचन आयुक्त केँ अनुसार झारखंड मे मतदान सोमदिन 23 फरवरी 2026 क’ होयत, जखन कि मतगणना 27 फरवरी क’ होएत। चुनाव आयोग के अधिसूचना के अनुसार नामांकन सँ ल’ क’ गिनती तक के सभ महत्वपूर्ण तिथि के अंतिम रूप द’ देल गेल अछि। चुनावक सब प्रक्रिया जिला निर्वाचन अधिकारी (नगर निगम) के माध्यम सँ लागू कैल जाएत।

निर्वाचन अधिसूचना जारी होयबाक तिथि

चुनाव प्रक्रिया औपचारिक रूप सँ बुध दिन 28 जनवरी 2026 सँ प्रारम्भ होयत ।ओहि दिन 11:00 बजे चुनाव अधिसूचना फॉर्म 5 मे प्रकाशित कैल जाएत। एहि तिथि पर आचार संहिता लागू भ’ जाएत।

29 जनवरी सँ नामांकन

निर्वाचन आयोगके अनुसार नगरपालिका निर्वाचनमे चुनावी प्रत्याशी 29 जनवरी 2026 (वृहष्पति ) सँ 4 फरवरी 2026 (बुधदिन) धरि नामांकन पत्र दाखिल कऽ सकैत छथि । नामांकन दाखिल के समय 11:00 बजे सँ 3:00 बजे तक अछि। जमा नामांकन पत्र के जांच 5 फरवरी 2026 (वृहष्पति ) के होयत, जाहि सँ सुनिश्चित होयत जे कोन प्रत्याशी मैदान मे रहताह। उम्मीदवार 6 फरवरी 2026 (शुक्र दिन ) तक अपन नामांकन वापस ल’ सकैत छथि। अगिला दिन 7 फरवरी 2026 (शनिदिन) उम्मीदवार केँ चुनाव चिन्ह आवंटित कैल जाएत।

मतदान आ गिनती केर तारीख
राज्य निर्वाचन आयुक्त अलका तिवारी केँ अनुसार 23 फरवरी, 2026 (सोमदिन) के प्रातः 7:00 बजे सँ सांझ 5:00 बजे तक मतदान होयत। संगहि 27 फरवरी 2026 (शुक्र दिन) के भोर 8 बजे सँ मतगणना प्रारम्भ होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts