spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिझारखंड भाजपा चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान पार्टी अध्यक्ष आ संगठन मंत्री...

झारखंड भाजपा चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान पार्टी अध्यक्ष आ संगठन मंत्री संग पहुंचला कार्यकर्ता के घर, कैला लंच

-

राँची/ केन्द्रीय कृषिमंत्री आ भाजपाक झारखण्डक चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान भोरे नाश्ता करबाक लेल रांची ग्रामीण जिला मण्डल अध्यक्ष दिलीप मेहताक घर पहुँचलाह। हुनका सङ्ग झारखंड भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी आ संगठन महासचिव करमवीर सिंह सेहो छलाह। चौहान रांची महानगरक हरमू मण्डल अध्यक्ष इन्द्रजीत यादवक निवास पर भोजन कयलनि। शिवराज जखन अयलाह तखन यादवक पूरा परिवार प्रसन्न भऽ गेल।

दिलीपक घरमे नाश्ताक बाद शिवराज रामगढ़ पहुँचलाह आ वृक्षारोपण कार्यक्रममे शामिल भेलाह।
एकर बाद रामगढ़ भारतीय जनता पार्टी कार्यालय मे राज्य स्तरीय पदाधिकारी सभक बैसार भेल जाहि मे चौहान शामिल भेलाह। एकर बाद पूर्व जिला अध्यक्ष, पूर्व विधायक आ वरिष्ठ कार्यकर्ता के संग चौहान के बैठक भेल। कार्यक्रमक अनुसार रामगढ़मे बूथ अध्यक्षक निवास पर दुपहरक भोजन होयबाक छल मुदा ओ रांची घुरि अयलाह।

बादमे कृषि मंत्री शिवराज सिंह चौहान हरमू मण्डलक अध्यक्ष इन्द्रजीत यादवक निवास पर पहुँचलाह आ ओतय भोजन कयलनि। एहि अवसर पर झारखंड भाजपा अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी आ संगठन महासचिव करमवीर सिंह सेहो उपस्थित छलाह। एहि अवसर पर हटिया विधायक नवीन जायसवाल, झारखंड विधानसभा सचेतक बिरंची नारायण, कोडरमा विधायक डॉ. नीरा यादव, भाजपा प्रदेश महासचिव मनोज सिंह, रांची महानगर अध्यक्ष वरुण साहू, रामाशीष यादव, वार्ड नम्बर २६ पार्षद अरुण कुमार झा सहित कतेको नेता उपस्थित छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts