लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड सरकार कें कार्मिक, प्रशासनिक सुधार आ राजभाषा विभाग सोमदिन (आई) अधिसूचना जारी केलक अछि। रांची-झारखंड मे 20 आईएएस अधिकारी के ट्रांसफर-पोस्टिंग कयल गेल अछि । अजय नाथ झा के बोकारो के नवका डीसी (उपायुक्त) बनाओल गेल अछि। वर्तमान मे अजय नाथ झा झारखण्ड सरकार के आदिवासी कल्याण आयुक्त पद पर आसीन छला।
