लहरि रूम (राँची) : मैथिली अधिकार दिवस केँ अवसर पर मैथिली पंचांग सह कैलेंडर 2025 केँ विमोचन समारोह रवि दिन , 22 दिसंबर 2024 क’ झारखंड मैथिली मंच केँ भवन बाबा विद्यापति दलान, हरमू केँ सामने शिव शक्ति छठि घाट केँ मैदान मे मंच केँ द्वारा आयोजित भ’ रहल अछि । एहि अवसर पर “मिथिला लिपिक उपेक्षा मिथिला पर प्रतिकूल प्रभाव” विषय पर साहित्यिक चर्चा, कवि सम्मेलन, किछु पोथीक विमोचन आ…रूपा देवी विदेह साहित्य सम्मान डॉ. अशोक कथाकर केँ प्रदान कयल जायत।

अहि सम्मान मे पाग आ दुपट्टा क’ संग 35 हजार/- टका नकद संग स्मृति चिन्ह प्रदान कयल जायत। अंत मे मैथिली पंचांग सह कैलेंडर 2025 केँ विमोचन होयत। एहि समारोह मे शहरक अनेक लब्ध प्रतिष्ठित साहित्यिकार , विद्वान, कवि आ प्रख्यात व्यक्तित्व लोकनिक भाग लेबाक संभावना अछि ।उपरोक्त कार्यक्रम केँ सफल आयोजन केँ लेल मंच के भवन मे एकटा विशेष समीक्षा बैठक केँ आयोजन कयल गेल, जाहि मे महासचिव जयंत कुमार झा, भारतेन्दु कुमार झा, प्रेम चंद्र झा, ब्रज किशोर झा, राज कुमार मिश्र, ब्रज कुमार झा , संतोष कुमार मिश्र, सुरेश नारायण झा, रणधीर झा, आत्मेश्वर झा सहित अनेक सदस्य उपस्थित छला | अहि बातक जानकारी मंच केँ वरिष्ठ सदस्य भारतेन्दु कुमार झा देलनि।