लहरि रूम (रांची ) : झारखंड मैथिली मंच , रांची केर तत्वावधान मे विद्यापति दलान, हरमू के सामने छठि तालाब परिसर मे एक संग अनेकों आयोजन कयल गेल। सम्पूर्ण कार्यक्रम मैथिली अधिकार दिवस केर समर्पित छल। पहिने मिथिलाक पारम्परिक धोती-कुर्ता परिधान मे सजल मंचक सदस्यक एकटा समूह विद्यापति दलान सँ मेन रोड पर कडरू मोर स्थित विद्यापति चौक धरि पद यात्रा करैत गेला , जतय ओतय स्थित बाबा विद्यापतिक मूर्ति केँ माल्यार्पण क’ श्रद्धा सुमन अर्पित कयलनि ।

कार्यक्रमक शुभारम्भ विद्यापति दलान लग मंच पर बैसल अतिथि लोकनि आ विद्यापतिक चित्र पर पुष्पांजलि सँ भेल । परम्पराक अनुसरण करैत विद्यापतिक रचित “भगवती वंदना” (जय जय मैरवी असुर भयावणी) आ राष्ट्रगान सँ भेल । कार्यक्रम के औपचारिक शुरुआत अतिथि आ मंच के अधिकारी लोकनि द्वारा संयुक्त रूप सं दीप प्रज्वलित करय सं भेल। तखन पाग-शाल भेंट कय पाहुन लोकनिक स्वागत कयल गेल। महासचिव जयंत कुमार झा आजुक सम्पूर्ण कार्यक्रम पर चर्चा करैत उपस्थित अतिथि आ मैथिली प्रेमी के अभिवादन केलनि। तत्पश्चात डॉ. भीमनाथ झा द्वारा लिखित पुस्तक भावंजलि, साहित्य मूर्ति (हितनाथ झा द्वारा संपादित, झारखण्ड मैथिली मंच, रांची द्वारा प्रकाशित) विमोचन भेल । एहि पोथी पर डॉ. कृष्ण मोहन झा, प्रमोद कुमार झा, हितनाथ झा अपन विचार रखलनि। रूपा देवी विदेह साहित्य सम्मान 2025 प्रो महेन्द्र झा के संस्मरण पुस्तक “धात्री पात सन गाम” के लेल देल गेल छल | अध्यक्ष बिनय कुमार झा अतिथि लोकनिक स्वागत केलनि। मोहन झा परोसी पुरस्कार के लेल पुस्तक चयन प्रक्रिया के विस्तृत जानकारी देलनि । हितनाथ झा प्रशस्ति पत्र पढ़ि सम्मानपूर्वक प्रो महेन्द्र केँ भेंट केलनि । कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि शशि प्रकाश झा, आई. ए.एस. (निदेशक, राष्ट्रीय स्वास्थ्य मिशन), डॉ. विद्यानाथ झा, विदित आ केदार कानन पुस्तक पर चर्चा करैत प्रो महेन्द्र केँ उनके उत्कृष्ट कार्य आ सम्मान हेतु बधाई देलनि । प्रो महेन्द्र आभार व्यक्त कयलनि । मुख्य अतिथि शशि प्रकाश झा, अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, एवं कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र द्वारा प्रो. महेंद्र केँ 35 हजार नकद , पाग, शाल, आ स्मृति चिन्ह प्रदान कयल गेल । अंतिम सत्र मे पंचांग आ कैलेंडर के विमोचन मे मुख्य अतिथि कोल इंडिया लिमिटेड के महाप्रबंधक ललित कुमार चौधरी के संग मंच के पदाधिकारी लोकनि कयलनि। मंच केँ संरक्षक आ पूर्व पार्षद अरुण कुमार झा अतिथि लोकनिक स्वागत केलनि। प्रेम चन्द्र झा पंचांग आ पंचांगक उपयोगिता पर विस्तृत जानकारी देलनि । जयंत कुमार झा अपन अनुभव आ विचार दर्शक के संग साझा केलनि। धन्यवाद ज्ञापन भरतेन्दु कुमार झा कयलनि । मंच के संचालन बद्रीनाथ झा आ ब्रज कुमार झा केलनि। अंत मे लोक सब पारंपरिक भोजन चुरा, दही, गुड़, आ तरकारी के आनंद लेलनि ।

अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, नरेश झा, रणधीर झा, बाबू लाल झा, मोहन झा परोसी, कौशल किशोर झा, आत्मेश्वर झा, ब्रज कुमार झा, भरतेन्दु कुमार झा, सतीश कुमार मिश्र, सुकुमार नाथ झा संग अनेको गणमान्य लोकनिक सहयोग सँ सफल कार्यक्रम के आयोजन भेल |

