
लहरि रूम (रांची) : झारखंड मैथिली मंच रांची के तत्वावधान मे विद्यापति दलान के सामने छठि तालाब परिसर मे रंगारंग होली मिलन समारोहक आयोजन कयल गेल | कार्यक्रम केर शुभआरम्भ विद्यापति द्वारा रचित भगवती वंदना (भगवती वंदना) “जय जय भैरवी असुर भयावनी” गोसोवणी गीत आ राष्ट्रगान के गायन सँ भेल। महासचिव जयंत कुमार झा अतिथि आ सदस्यक स्वागत केलनि । एहि केर उपरांत विशिष्ट अतिथि, जाहि मे आईआईसीएम के सेवानिवृत्त प्रमुख डॉ. प्रभाष चंद्र मिश्रा, दूरदर्शन, रांची के निदेशक अमित कुमार, बैंक ऑफ महाराष्ट्र के क्षेत्रीय प्रबंधक शीषा चौधरी, आ झारखंड मैथिली मंच के महासचिव जयंत कुमार झा, सहित अन्य लोकनि सामूहिक रूप सँ विद्यापतिक चित्र पर अबीर आ गुलाल अर्पित क’ होली मिलन कार्यक्रमक शुभ आरम्भ कयलनि।

प्रीति झा के द्वारा गाओल गीत मंगल मय दिन आजु हे पाहुन छथि आयल —गीत सँ होली मिलन समारोह के रंगारंग कार्यक्रमक आगाज भेल ।जेहने किशैरी मोरी तेहने किशोर हे,बिधना लगावल जोरी एहन बेजोड़ हे– ,कन्हैया आजु खेले होरी आदि गीत संग स्वाती झा द्वारा खेले मसाने मे होरी दिगंबर—,मिथिला मे राम खेलय होरी—,हे हरि हे हरि सुनिय श्रवण करू अब न विलासक वेर गीत सँ श्रोतागण मंत्रमुग्ध भ’ गेला। भूमि, गुनगुन , अनीता झा, प्रो आनंद कुमार ठाकुर, टी एन झा द्वारा होली के गीत सं दर्शक लोकनि खूब आनंदित भेला।
प्रो आनंद कुमार ठाकुर होली मिलन समारोह के संयोजक छला आ भारतेन्दु कुमार झा कार्यक्रमक संचालन केलनि । कार्यक्रम मे महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, रणधीर झा, बद्रीनाथ झा, सतीश कुमार मिश्र, अजय झा, भारतेंदु कुमार झा, धीरेन्द्र मिश्रा, ब्रज कुमार झा केर संग अनेको गणमान्य लोकनि अपन सहभागिता प्रस्तुत कयलनि।

