राँची : झारखंड विधानसभा चुनावक घोषणा होइते टिकट दावेदारक सक्रियता बढ़ि गेल अछि। कियो दिल्ली केँ दौड़ लगेने छथि त’ कियो रांची मे बैसल पार्टी पार्टी केँ प्रमुख केँ संग अपन सेटिंग करय मे लागल छथि।
मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि एहि चुनावी उत्साह आओर उमंग केँ बीच झामुमो टिकट केँ दावा करय वाला नेता सबके समक्ष पहिने पार्टी एकटा नव शर्त राखि देलक अछि। आब झामुमो मे टिकट दावेदार केँ अपन आवेदन केँ संग पार्टी फंड मे 51 हजार रुपया केँ ड्राफ्ट जमा करय पड़त।
अंतिम निर्णय शिबू सोरेन आओर हेमंत सोरेन करता !
पार्टी एकटा नियम बनौलक अछि जे टिकट दावेदार अपन आवेदन आ 51 हजार टका क ड्राफ्ट सीधा जिला समिति मे जमा क’ सकैत छथि। जिला समिति एकरा केंद्रीय समिति मे पठा देत। टिकट किनका देल जायत ताहि पर अंतिम फैसला पार्टी अध्यक्ष शिबू सोरेन आ हेमंत सोरेन करताह।