रांची : झारखंड विधानसभा मे आजुक दिन (1 अगस्त 2024) मे हंगामा मचि गेल। सभापति रवीन्द्रनाथ महतो भाजपा 18 विधायक केँ निलंबित क’ देलनि । बुधदिन विधायक द्वारा भेल हंगामा केँ बाद ई कार्रवाई कयल गेल अछि। भाजपा विधायक सब राति भरि सदन मे धरना पर बैसल छलाह। सभापति निलंबित विधायक सभकेँ कहलनि जे हुनकर आचरण सदन केँ नियम केँ विरुद्ध अछि। ताहि लेल हुनका निलंबित कयल जा रहल अछि। नेता प्रतिपक्ष अमर बाउरी एहि कार्रवाई पर नाराजगी व्यक्त केने छथि । ओ कहलनि जे, ई आपातकाल सन कार्रवाई अछि।
जे विधायक सबकेँ निलंबित क’ देल गेल
निलंबित विधायक मे विरांची नारायण, अनंत ओझा, रणधीर सिंह, नारायण दास, केदार हजारा, किशुन दास, सीपी सिंह, नविन जायसवाल, अमित मंडल, कोचे मुंडा, भानु प्रताप शाही, शशिभूषण मेहता, आलोक चौरसिया, पुष्पा देवी, नीरा यादव, अपर्णा सेनगुप्ता, राज सिन्हा एवं समरी लाल। एहि सब विधायक के आई बेरुपहर 2 बजे तक लेल निलंबित क’ देल गेल छल ।