spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeब्लॉगझारखंड विधानसभा 1000 रुपया/किलो बेचल गेल : भाजपा विधायक कयलनि अद्भुत प्रदर्शन

झारखंड विधानसभा 1000 रुपया/किलो बेचल गेल : भाजपा विधायक कयलनि अद्भुत प्रदर्शन

-

रांची : झारखंड मे बालु केँ दाम केँ ल’ क’ हंगामा भ’ रहल अछि। भाजपा विधायक एहि मुद्दा पर विधानसभा मे एकटा अनूठा प्रदर्शन केलनि। विधानसभा परिसर मे ही बालु बेचय लगलाह। भाजपा विधायक विधानसभा के सीढ़ी पर तराजू आ बालु ल’ क’ बैसि क’ विरोध केलनि। ओ 1000 रुपैया प्रति किलो मे बालु बेचि सरकारक ध्यान एहि दिस आकर्षित करबाक प्रयास केलनि। पांकी विधायक कुशवाहा शशि भूषण मेहता माथ पर बालु राखि बेचैत देखल गेला। कोडरमा भाजपा विधायक नीरा यादव सहित बहुत रास विधायक तराजू सँ बालु 1 kg बटखरा संग तौलैत देखल गेलाह।

आम लोकक पहुँच सँ झारखण्ड मे बालू दूर भ’ गेल : सी पी सिंह

रांची विधायक सीपी सिंह कहला जे राज्य मे बालु एतेक महग भ’ गेल अछि जे गरीब आदमी एकरा कोना कीनि सकैत अछि। राज्यक यथार्थ बता रहल छी। एहि सँ पहिने मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन विधानसभा मे बालु केँ दाम पर बड़का घोषणा केने छलाह। ओ कहने छलाह जे सरकार आयकर नहि देबय वाला गरीब केँ मुफ्त मे बालु देत जाहि सँ ओ अपन घर बना सकय। अबुआ आवास आ प्रधानमंत्री आवास योजना केँ तहत बनैत गरीब केँ घर महग बालू सँ प्रभावित भ’ रहल अछि। मुख्यमंत्री केँ घोषणा क’ बाद सेहो विधानसभा सत्र केँ अंतिम दिन भाजपा विधायक प्रदर्शन कयलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts