झारखण्ड : गोड्डा लोकसभा क्षेत्र केँ लोकसभा चुनाव 2024 केँ प्रत्याशी डॉ निशिकांत दुबे समाहरणालय मे आई 10 मई 2024 शुक्र दिन नामांकन कयलनि। एहि सँ पूर्व अपन समर्थक एवं कार्यकर्त्ता संग सपत्नी देवघर मे बाबा बैद्यनाथ केँ पूजा क’ ट्रेन सँ गोड्डा जा क’ चारिम बेर अपन संसदीय क्षेत्र सँ नामांकन कयलनि।
दोसर तरफ दुमका लोकसभा सीट सँ भाजपा प्रत्याशी सीता सोरेन आई अपन चुनावी परचा (नामांकन) भरलनि। नामांकन केँ समय बीजेपी झारखण्ड प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी, सारठ विधायक रणधीर सिंह आओर पूर्व मंत्री लुईस मरांडी उपस्थित छली।
उपरोक्त दुनू प्रत्याशी लेल स्टार प्रचारक केँ रूप मे रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह जनसभा केँ सबोधित कयलनि।
Trending Now
झारखण्ड केँ गोड्डा लोकसभा सँ निशिकांत दुबे आओर दुमका सँ सीता सोरेन कयलनि नामांकन
-

