spot_img
Sunday, February 22, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड निकाय चुनाव 23 फ़रवरी क' : थमल प्रचार प्रसार

झारखण्ड निकाय चुनाव 23 फ़रवरी क’ : थमल प्रचार प्रसार

-

रांची नगर कें चुनाव मे 7 टा मैथिल बनल छथि प्रत्याशी
लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड निकाय चुनाव केर घोषणा पूर्व मे भेल छल। सम्पूर्ण झारखण्ड के सब जिला मे जाहि मे नगर निकाय अछि ताहि मे आगामी 23 फरवरी 2026 क’ मतदान होयत। बहुत दिनक बात झारखण्ड राज्य के मतदाता एहि मतदान मे वैलेट पेपर कें माध्यम सँ अपन प्रत्याशी केर पक्ष मे मताधिकार के उपयोग करता।

7 टा बेसी प्रत्याशी रांची नगर निगम मे चुनाव लरि रहला अछि ……..

बहुत दिनक बाद झारखण्ड केर 53 नगर निगम मे झारखण्ड उच्च न्यायलय के हस्तक्षेप सँ चुनाव आयोग द्वारा चुनाव आयोजित कयल जा रहल अछि। एहि बेर रांची नगर निगम क्षेत्र मे सेहो चुनाव भ’ रहल अछि। रांची नगर निगम चुनाव मैथिल लोकनिक लेल कनि विशेष भ गेल अछि। रांची मे 53 टा वार्ड अछि जाहि मे 5 टा वार्ड मे मैथिल प्रत्याशी चुनावी प्रत्याशी के रूप मे चुनाव लरि रहल छथि।
रांची नगर निगम के वार्ड 34 सँ पूर्व निगम पार्षद 26 कें अरुण कुमार झा एवं मणिकांत झा, वार्ड 33 सँ कुमुद झा, वार्ड 25 सँ गुड्डी कुमारी, वार्ड6 सँ रीना देवी, वार्ड 8 सँ ज्योति झा आओर वार्ड संख्या 24 सँ कृष कुमार कौशिक ‘पपली’ अपन दावेदारी प्रस्तुत कयने छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts