चाईबासा/रांची/ झारखण्डक पश्चिम सिंहभूम जिलामे सोमदिन भोरमे पुलिसक सङ्ग मुठभेड़मे चारिटा माओवादी चरमपंथी मारल गेल। सुरक्षा बलक एहि अभियानमे एकटा महिला कमांडर सहित दूटा माओवादी चरमपंथीकेँ सेहो गिरफ्तार कयल गेल अछि।
मारल गेल माओवादी नेतामे एकटा महिला सेहो छलीह। कहल जा रहल अछि जे मारल गेल सभ चरमपंथी के संगठन मे महत्वपूर्ण स्थान छल। मृतक माओवादीक संगठनमे एरिया कमांडर, सब जोनल कमांडर आ जोनल कमांडरक रैंक छल। गिरफ्तार माओवादी मे एकटा महिला आ एकटा पुरुष सेहो शामिल अछि। मुठभेड़ स्थलसँ माओवादीक शवक सङ्ग हथियार आ गोला-बारूद बरामद कयल गेल।
पश्चिमी सिंहभूम के गुवा थाना क्षेत्र के लिपुंगा जंगल में माओवादियों के साथ सुरक्षा बलक मुठभेड़ भेल अछि। मारल गेल माओवादी चरमपंथी में एकटा 10 लाखक इनामी माओवादी कमांडर अछि। जिलाक पुलिस अधीक्षक आशुतोष शेखर बतौला, मारल गेल माओवादी चरमपंथी के पहचान क लेल गेल अछि। ओई में जोनल कमांडर सिंगराई उर्फ मनोज, सब जोनल कमांडर कांडे होनहागा उर्फ दिरशुम, एरिया कमांडर सूर्या उर्फ मुंडा देवगन आ महिला माओवादी कैडर जुनगा पूर्ति उर्फ मारला अछि।
पुलिस मरला के छोड़ि मारल गेल सभ माओवादी पर इनाम के घोषणा कैले छल। सिंगराई उर्फ मनोज पर 10 लाख रुपया, जखन कि कांडे आ सूर्य पर क्रमशः 5 लाख आ 2 लाख रुपया के इनाम घोषित कैल गेल अछि। गिरफ्तार कयल गेल दूटा माओवादीक पहिचान टाइगर उर्फ पांडु हंसदा आ बत्री देवगमक रूपमे भेल अछि। पांडु हंसदा पर २ लाख टाकाक इनाम छल। बत्री देवी एकटा महिला माओवादी छथि आ माओवादी प्रशिक्षण लऽ रहल छलीह।
पुलिसक अनुसार, सुरक्षा बलक जवान इलाका मे तलाशी अभियान पर निकलल छलाह। एम्हर घात लगा कए हमला कएनिहार माओवादी गोलीबारी शुरू कऽ देलखिन। जवाबी गोलीबारीमे सैनिक चारिटा माओवादीक हत्या कऽ देलक। इलाका मे तलाशी अभियान अभियो चलि रहल अछि। किछु आन माओवादीक सेहो गोली लगबाक सूचना अछि।