spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड मे फेर उठल ED : कयलक आइ ताबरतोड़ कार्रवाई।

झारखण्ड मे फेर उठल ED : कयलक आइ ताबरतोड़ कार्रवाई।

-

लहरि रूम (रांची) : भूमि घोटाला मामला मे ईडी पैघ कार्रवाई केलक अछि। मंगलदिन टीम पीएमएलए 2002 कें तहत कमलेश कुमार कें नौ स्थान पर छापा मारलक, जाहि मे दिल्ली मे तीन आ रांची मे छह स्थान पर छापा मारल गेल।

ई पूरा मामला रांची जिला केर कांके प्रखंड मे एकटा आदिवासी जमीन सँ जुड़ल भूमि घोटाला सँ संबंधित अछि , जाहि मे पता चलल अछि जे कि आरोपी अंचल अधिकारिय सँ सांठ गाँठ क’ जमीन केर रिकॉर्ड मे हेरफेर करि कय ओकरा बेच क’ धन अर्जित कयने छथि।

एहि मामला मे मुख्य रूप सँ बीके सिंह (कमलेश कुमार कें मुख्य सहयोगी) आ हुनकर सहयोगी शामिल छथि । ज्ञातव्य जे एहि बेसी प्रचारित भूमि घोटाला मामला मे भूमि माफिया कमलेश कुमार सिंह आ कांके रिज़ॉर्ट मालिक बीके सिंह सहित कईटा आओर कें आरोपी बनाओल गेल अछि। अहि क्रम मे मिथिला समाजक किछु बिल्डर लोकनिक नाम सेहो आबि रहल जिनका ओहिठाम आइ ED अपन कार्रवाई क’ रहल अछि। क्रमश :…….

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts