लहरि रूम (रांची) : आइ 16 जून सँ झारखण्ड कें राजधानी रांची जिला के संग सम्पूर्ण झारखण्ड मे सब स्कूल खुलि गेल। प्रातः काल सँ झारखण्ड कें राजधानी रांची बच्चा सब पुनः अपन स्कूलक परिधान पहिर क’ चौक चौराहा पर स्कूल कें बस पकारबाक हेतु देखल गेला। स्कूल के समय प्रातः 7 बजे सँ प्रारंभ भेल। दू चारि दिन बच्चा सबके झारखण्ड मे अखन गर्मी के झेलय परतनि। अखन झारखण्ड मे मानसून के असरि किछु दिन बाद देखय के लेल भेटत।
