spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड मैथिली मंच आओर बाबा विद्यापति स्मारक समिति क' होली मिलन समारोह...

झारखण्ड मैथिली मंच आओर बाबा विद्यापति स्मारक समिति क’ होली मिलन समारोह 23 मार्च एवं 24 मार्च क’

-

रांची : झारखण्ड मैथिली मंच रांची केँ तत्वावधान मे बैसार भेल जाहि मे सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल। आगामी 23 मार्च 2024 क’ मंचक कार्यालय विद्यापति दलान पर होली मिलन समारोह केँ आयोजन होयत। एहि कार्यक्रम हेतु संतोष मिश्र केँ संयोजक नियुक्त कैल गेल अछि। पारम्परिक व्यंजन माँछ फ्राई ,चुरा फ्राई, मालपुआ, पकौड़ी, जलेबी ,चटनी संग ठंडई केँ विशेष व्यवस्था रहत। झारखण्ड मैथिली मंच केँ द्वारा स्थानीय कलाकार अश्वनी झा केँ पारम्परिक होली गीत केँ प्रस्तुति हेतु आमंत्रित कैल गेलनि अछि। एहि आयोजन मंचक अध्यक्ष विनय कुमार झा, अरुण कुमार झा, जयंत झा, संयोजक संतोष मिश्र संग अनेकों कार्यकर्ता लागल छथि।

बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ होली मिलन समारोह 24 मार्च क’
बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ होली मिलन समारोह 24 मार्च 2024 क’ अपन कार्यालय कचहरी चौक पर गमैया होली मिलन समारोह केँ आयोजन क’ रहल अछि। एहि कार्यक्रम मे पण्डित मुकेश झा शास्त्री केँ गीतक प्रस्तुति मे गामक होलिक आनंद भेटय ताहि केँ व्यवस्था कैल गेल अछि। समिति केँ द्वारा पारम्परिक स्वरुचि भोजन संग ठंडई केँ व्यवस्था कैल गेल अछि।एहि बातक जानकारी समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा आओर मुख्य महासचिव मृतुन्जय झा देलनि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts