spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड मैथिली मंच दिवंगत विभूति लोकनि कैं श्रद्धांजलि अर्पित कयलक

झारखण्ड मैथिली मंच दिवंगत विभूति लोकनि कैं श्रद्धांजलि अर्पित कयलक

-

लहरि रूम ( रांची) : झारखण्ड मैथिली मंच ,राँचीक द्वारा विद्यापति दलान हरमूक परिसर मे विगत किछु दिन मे दिवंगत विभूतिक याद मे श्रद्धांजलि सभाक राखल गेल । मंचक सदस्य लोकनि स्वर्गीय डाक्टर गुणेश्वर झा राँची विश्वविद्यालयक जानल- मानल प्रख्यात प्रोफेसर मूल निवासी बरहा बेनीपट्टी मधुबनी ,स्वर्गीय अनिल कुमार झा, सी सी एल राँची समाज सेवी मूल निवासी धकजरी बेनीपट्टी मधुबनी, आ मैथिलीक प्रख्यात साहित्यकार स्वर्गीया नीरजा रेणु मूल निवासी बिट्ठो सरिसब पाही मधुबनी कें प्रति सदस्य लोकनि बेरा -बेरी हिनका लोकनिक ब्यक्तित्व आ कृतित्व पर प्रकाश डालैत श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि ।

एकर अतिरिक्त मिथिला कें गौरव विभूति महान साहित्यकार स्वर्गीय पं. श्रीकान्त ठाकुर विद्यालंकार मूल निवासी कोइलख मधुबनीक सेहो आइये के दिन पुण्यतिथिक अवसर पर सदस्य लोकनि द्वारा श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि । पं. श्री कान्त ठाकुर महान स्वतंत्रता सेनानी, पत्रकार,बहुभाषाविद आ महान साहित्यकारक रूप मे समाज आ राष्ट्र मे जानल जाईत छलाह ।


आजुक श्रद्धांजलि सभा मे संरक्षक अरूण कुमार झा ,महासचिव जयन्त कुमार झा ,कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, प्रकाश चन्द्र झा, कैलाश झा, ब्रज कुमार झा, कौशल किशोर झा, भारतेन्दु कुमार झा, नरेश झा, संतोष कुमार झा, बाबू लाल झा, नर्मदेश्वर झा अनेकों सदस्य उपस्थित छलाह ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts