spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड मैथिली मंच, रांची द्वारा संजय झा केँ भेलनि नागरिक अभिनन्दन

झारखण्ड मैथिली मंच, रांची द्वारा संजय झा केँ भेलनि नागरिक अभिनन्दन

-

रांची : झारखण्ड मैथिली मंच, रांची केँ तत्वावधान मे आई अपराह्न तीन बजे जनता दल यूनाइटेड केँ कार्यकारी अध्यक्ष, बिहार केँ पूर्व सरकार मे मंत्री वर्तमान मे राज्य सभा सांसद आओर मिथिला क्षेत्र केँ लोकप्रिय नेता संजय कुमार झा जी केँ नागरिक अभिनन्दन कयल गेल। एहि अवसर पर मैथिली मंच केँ अध्यक्ष विनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा भारतेन्दु झा आ वार्ड 26 केँ निवर्तमान पार्षद सह मंचक सदस्य अरुण कुमार झा, जनतादल यूनाइटेड केँ प्रदेश अध्यक्ष खीरु महतो, भारतीय जनतंत्र मोर्चा केँ धर्मेंद्र तिवारी संग अनेको मैथिल उपस्थित छला।

जेडीयू केँ झारखण्ड प्रदेश कार्यसमिति केँ बैसार मे आयल छाला कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा

एहि सँ पूर्व आई 9 सितम्बर 2024 क’ झारखंड राज्य जदयू कार्यसमिति केँ बैसार मे सम्मलित होयबाक लेल संजय झा केँ आगमन भेल छलनि । एहि क्रम मे राज्य मे पार्टी संगठनक विस्तार आ आगामी विधानसभा चुनाव सँ जुड़ल मुद्दा पर सार्थक चर्चा कयलनि ।अपन वक्तव्य मे कहलनि जे बिहार केँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ सक्षम नेतृत्व मे बिहार मे कयल गेल ऐतिहासिक विकास कार्य केँ कारण झारखंड केँ लोक सेहो नव आशा केँ संग जदयू केँ तरफ देख रहल छथि।जदयू के प्रदेश अध्यक्ष सह राज्यसभा सांसद खीरू महतो , वरिष्ठ नेता श्री सरयू राय जी, बिहार सरकार केँ मंत्री एवं झारखंड प्रदेश प्रभारी अशोक चौधरी , विधायक एवं सह प्रभारी मनोज यादव जी एवं जदयू राज्य केँ सदस्यगण एहि कार्यसमिति समिति केँ बैसार में उपस्थित छला |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts