लहरि रूम : जामताड़ा विधानसभा 09 सँ भाजपा प्रत्याशी सीता सोरेन सोमदिन विधानसभा चुनाव लेल अपन नामांकन पत्र दाखिल केलथि। दू सेट मे अपन नामांकन दाखिल कयने छथि। नामांकन केँ बाद ओ गांधी मैदान मे चुनावी बैसार केँ संबोधित कयलनि।

एहि अवसर पर पश्चिम बंगाल विधानसभा मे विपक्षी नेता सुबेन्दु अधिकारी चुनावी मंच सँ सीता सोरेन केँ प्रचण्ड विजयी केँ दावा कयलनि। अपन भाषण मे सुभेन्दु कहलनि जे, इरफान अंसारी सीता सोरेन केने अपमान केने छथि। झारखंड केँ सनातनी आ आदिवासी जनता अपन रोजी-रोटी, रोटी-बेटी बचाबय केँ

काज करत। एहि बेर ओ एहि परिवार केँ उखाड़ि फेकबाक काज करतीह। सीता सोरेन उपस्थित जन समूह सँ इरफान अंसारी केँ अनैतिक साम्राज्य केँ उखाड़बा लेल आह्वान केलनि ।
