spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड विधानसभा चुनाव 2024 : प्रधानमंत्री नरेन्द्रमोदी केँ रोड शो 10 नवंबर...

झारखण्ड विधानसभा चुनाव 2024 : प्रधानमंत्री नरेन्द्रमोदी केँ रोड शो 10 नवंबर 2024 क’ होयत !

-

लहरि रूम (रांची ) : जं जं झारखण्ड विधानसभा चुनाव 2024 केँ प्रथम चरण केँ मतदान नजदीक आबि रहल अछि त’ त’ झारखण्ड केँ धरती पर पार्टी सबके स्टार प्रचारक लोकनि केँ जमावड़ा भेनाई प्रारम्भ भ’ गेल अछि। कतौ ने कतौ रांची केँ लोकसभा सांसद सह रक्षा राज्य मंत्री संजय सेठ अपन लोकसभा केँ 6 विधानसभा केँ विजय दिएबाक हेतु अथक परिश्रम क’ रहला अछि। एहि चुनावी कार्यक्रम केँ आयोजन मे खबरि आबि रहल अछि जे। भारत केँ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी केँ झारखण्ड केँ राजधानी रांची मे आगमन 10 नवम्बर (रवि दिन ) होमय जा रहल अछि। भारतीय जनता पार्टी झारखण्ड प्रदेश केँ द्वारा प्रधानमंत्री नरेन्द्रमोदी केँ रोड शो अपराह्न 3 बजे सँ रातू रोड मे ओटीसी ग्राउण्ड सँ ल’ क’ न्यू मार्किट चौक तक होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts