spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड विधानसभा चुनाव 2024 हेतु NDA केँ सीटक बटवारा भ' गेल !...

झारखण्ड विधानसभा चुनाव 2024 हेतु NDA केँ सीटक बटवारा भ’ गेल ! घोषणा मात्र औपचारिकता अछि …..

-

लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे – झारखंड विधानसभा चुनाव 2024 हेतु NDA पार्टी सीट केँ बंटवारा आ आपसी समुझौता लगभग तय भ’ गेल अछि। भाजपा अपन सहयोगी दल आजसू पार्टी केँ 9 सीट देलक अछि। जदयू केँ दूटा सीट भेटल अछि। चिराग पासवान केँ लोजपा (रामविलास) पार्टी केँ एकटा सीट देल गेल अछि। जीतन राम मांझी केँ नेतृत्व वाला हिंदुस्तानी आवाम मोर्चा पार्टी केँ सेहो झारखंड मे विधानसभा चुनाव लड़य केँ इच्छा छल , मुदा ओकरा कोनो सीट नहिं देल गेल अछि।

आजसू पार्टी केँ 10 सीट भेट सकैत अछि, मुदा एकटा शर्त अछि

सुदेश महतो केँ नेतृत्व वला AJSU पार्टी केँ 10 सीट भेट सकैत अछि। ओना एहि संग एकटा शर्त सेहो अछि। एक सीट लोजपा (आर) केँ देल गेल अछि। अगर चिराग पासवान एहि बात सँ सहमत होईत छथि तँ आजसू केँ मात्र नौ सीट पर चुनाव लड़य केँ मौका भेटतनि। नीतीश कुमार केँ नेतृत्व मे जदयू केँ दूटा सीट देल गेल अछि। एहि मे सँ एकटा सीट सरयू राय केँ जदयू मे सम्मलित भेला केँ बाद सीटिंग सीट बनि गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts