spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड सरकार के शिक्षा मंत्री राम दास सोरेन के निधन : आई...

झारखण्ड सरकार के शिक्षा मंत्री राम दास सोरेन के निधन : आई राजकीय शोक घोषित

-

झारखण्ड के राज्यपाल अर्पित कयलनि अपन श्रद्धा सुमन
लहरि रूम (रांची) : 62 वर्षक वर्तमान झारखण्ड सरकार के शिक्षा मंत्री के निधन 15 अगस्त 2025 क’ दिल्ली के अस्पताल मे मे भेलनि। वितल 2 अगस्त क’ जमशेदपुर मे हुनक आवास पर बाथरूम मे खसि गेल छला। जाहि सँ हुनक स्थिति बिगरी गेल छलनि आओर ईलाज हेतु दिल्ली मे लाइफ सपोर्ट पर अस्पताल मे छला।

हुनक पार्थिव शरीर के झारखण्ड आनि लेल गेल अछि। हिनक मृत्यु उपरांत आइ 16 अगस्त क’ झारखण्ड सरकार के द्वारा राजकीय शोक घोषित कयल गेल अछि। राष्ट्रिय ध्वज आधा झुकल रहत। श्रद्धांजलि अर्पित करबाक हेतु हुनक पार्थिव शरीर के विधानसभा परिसर मे राखल गेल अछि। विधायक नेता आओर लोकनिक अंतिम दर्शन के बाद हुनक पार्थिव शरीर के हुनक विधानसभा क्षेत्र घाटशिला ल गेल जायत। जतय मऊ भंडार मैदान आओर झारखण्ड मुक्ति मोर्चा के शिविर कार्यालय मे राखल जायत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts