लहरि रूम (रांची): झारखंड केँ पूर्व सीएम आ टाइगर ऑफ कोलहान केँ नाम सँ जानल जाय वाला चंपाई सोरेन फिलहाल राजनीति सँ रिटायर नहि होयबाक हेबाक संकेत देलनि अछि। दिल्ली मे चारि दिन रहला केँ बाद बुधदिन अपन गाम जिलिंगोड़ा पहुंचल चंपाई सोरेन कहलनि जे हम कहने रही जे हम आब राजनीति सँ सन्यास लेब , मुदा आब हम अपन जनता केँ ईच्छा आओर स्नेह केँ कारण अपन फैसला बदलि रहल छी। आब हमरा सब लग दू टा विकल्प अछि, पहिने हम सब एकटा पार्टी बनाबी । दोसर बात जे जँ हमरा कोनो नीक संगी भेटि जाय, जकर विचार हमर विचार सँ मेल खाइत हो आ जे हमर भावना केँ बुझैत हो, तखन हम हुनका सँ दोस्ती सेहो क’ सकैत छी। जखन हुनका सं पूछल गेल जे दिल्ली मे भाजपा नेता सभ सं भेंट करय लेल गेल रही तखन की भेल ? तखन ओ कहलनि जें जे पोता सँ भेंट करय लेल गेल रही।
चम्पाई सोरेन सँ जखन पूछल गेल जे भाजपा हुनका संग गठबंधन करय चाहैत अछि त’ ओ कहला जे हुनका एहि बारे मे पता नहि अछि। मुदा हुनकर मामला आईना जकाँ साफ़ अछि । सब सँ आगू अपन विचार राखि देने छथि। पूर्व सीएम कहला जे जखन ओ नव शुरुआत करताह तखन एक-एकटा बात सामने आओत। एतय केँ आदिवासी, एतय केँ मूल निवासी, एतय केँ दलित, जिनका लेल हम सब पहिने सँ लड़ैत आबि रहल छी, भविष्य में सेहो लड़ैत रहब ।