spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिटाटा-जयनगर केँ परिचालन भेल प्रारम्भ : मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर द्वारा टाटानगर...

टाटा-जयनगर केँ परिचालन भेल प्रारम्भ : मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर द्वारा टाटानगर स्टेशन भेल भव्य आयोजन

-

जमशेदपुर (झारखण्ड) : दिनाँक 16.8.2024 क’ मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर द्वारा टाटानगर स्टेशन पर टाटानगर सँ जयनगर ट्रेनक शुभारंभ केँ समय ट्रेन केँ प्रस्थान करबाक समय संस्था द्वारा आयोजन कयल गेल। परिषद केँ अध्यक्ष मोहन ठाकुर आओर महासचिव धर्मेश कुमार झा लड्ड द्वारा जमशेदपुर केँ लोकप्रिय सांसद विधुत वरण महतो, जमशेदपुर पूर्वी के विधायक सरयु राय एवं डी आर एम (सी के पी) केँ टाटानगर स्टेशन पर मिथिला संस्कृति सम्मान पाग ,शौल आओर पुष्पगुच्छ द’ क’ सम्मानित कयल गेल । एहि अवसर पर रेलवे केँ लोको पायलट, गार्ड आ अन्य स्टेशन स्टाफ केँ सेहो दोपटा द’ क’ सम्मानित कयल गेल। परिषद् केँ सब कार्यकारिणी सदस्य, आजीवन सदस्य आ मैथिली भाषा- भाषी केँ उपस्थिति केँ कारण सम्पूर्ण टाटानगर रेलवे स्टेशन मिथिलामय बनल छल। मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर केँ समस्त आजीवन सदस्य आ कार्यकारिणी सदस्य केँ तरफ सँ सांसद आ विधायक केँ आभार व्यक्त कयल गेल। मिथिला सांस्कृतिक परिषद जिंदाबाद , जमशेदपुर जिन्दाबाद, सांसद जिंदाबाद , नरेन्द्रमोदी जिंदाबाद केँ नारा सँ टाटानगर स्टेशन गुंजायमान छल। परिषद् केँ कार्यकारिणी केँ तरफ सँ स्टेशन पर 21 किलो केँ लड्डू बांटी क’ खुशी केँ जश्न मनायल गेल आ सब मैथिल भाषी केँ एहि ट्रेन केँ परिचालन हेतु बधाई देल गेल।

विश्वम्भर फॉउंडेशन केँ सचिव नवीन कुमार झा द्वारामिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर केँ अध्यक्ष मोहन ठाकुर आओर महासचिव धर्मेश कुमार झा केँ समस्त नव नियुक्त पदाधिकारी लोकनि केँ एहि अवसर पर शुभकामना व्यक्त कयल गेल। लहरि मीडिया केँ संपादक किशोर झा कहलनि जे 16 अगस्त जमशेदपुर केँ लेल ऐतिहासिक दिन अछि। ओहि दिन मैथिली भाषा केँ अधिकार देनिहार स्व. अटल विहारी वाजपेयी जी केँ पुण्यतिथि अछि आओर केंद्र सरकार द्वारा पुनः ट्रेन केँ परिचालन भेला सँ स्व. वाजपेयी जी केँ लेल श्रद्धांजलि अर्पित कयल गेल अछि , एहि सँ पुनीत कार्य की होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts