लहरि रूम (रांची) : जं अपने सब किनको लग दू टा पैन कार्ड अछि आ ओहि सँ कोनो तरहक टकाक आवा गमन होइत अछि त’ सतर्क भ’ जाऊ। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे -समाजवादी पार्टी के नेता आजम खान आ हुनकर बेटा अब्दुल्ला आजम के उत्तर प्रदेश के रामपुर के विशेष सांसद विधायक मजिस्ट्रेट कोर्ट (MP -MLA )द्वारा डबल पैन कार्ड के मामला मे सात सालक जेल के सजा सुनाओल गेल अछि। रामपुर के सिविल लाइन्स थाना मे दिसंबर 2019 मे भारतीय जनता पार्टी के नेता आकाश सक्सेना द्वारा खान आओर हुनकर बेटा के खिलाफ मामला दर्ज कयल गेल छल। सक्सेना अपन शिकायत मे आरोप लगौलनि जे दुनू के जन्म तिथि अलग-अलग डबल पैन कार्ड छनि। शिकायत दर्ज करौनिहार भाजपा विधायक आकाश सक्सेना सेहो आदेश जारी भेला पर मौजूद छलाह।
की अछि मामला ?
आकाश सक्सेना पर अब्दुल्ला आजम पर अलग-अलग जन्म तिथिक उपयोग क’ दूटा पैन कार्ड लेबाक आरोप लगौला केँ बाद 6 दिसंबर 2019 क’ रामपुरक सिविल लाइन्स थाना मे मामला दर्ज कैल गेल छल। शिकायत के अनुसार हुनक पैन कार्ड झूठा आ जाली दस्तावेज के आधार पर जारी कयल गेल अछि आओर कथित तौर पर एहि केर उपयोग बैंकिंग, आयकर रिकॉर्ड, आओर चुनावी उद्देश्य सँ कयल गेल । एकटा पैन कार्ड मे अब्दुल्ला केर जन्म तिथि 1 जनवरी 1993 लिखल छल, जखन कि दोसर पर 30 सितंबर 1990 लिखल छल।

