लहरि रूम : अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषदक 255म गुगल आम बैसार शैलेन्द्र झा, अरेड/ मुम्बई क’ अध्यक्षतामे भेल जाहिमे डा कमलकांत झा स्मृतिमे अनेक संस्मरण उद्धृत करैत संस्थापक डा धनाकर ठाकुर अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद्क नव अध्यक्ष लेल डा अशोक अविचल,रहुआ, मधुबनी/जमशेदपुरक नाम प्रस्तावित केलन्हि जे करीब तीन दशकसं सक्रिय कार्यकर्ता, साहित्य अकादमीमे मैथिलीक पूर्व संयोजक, मिथिला राज्य निर्माण लेल समर्पित कार्यकर्ता छथि। एकर अनुमोदन सनत कुमार झा चैनपुर,सहरसा /रांची, विधुकांत मिश्र,गजहाडा/प्रयागराज प्रमोद कुमार झा मधुबनी केलन्हि। परिषद्क महासचिव नारायण यादव, जयनगर समेत बांकी कार्यसमिति यथावत रहत।
एकर आलोकमे अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद्क मैथिली साहित्यकार मंचक नव अध्यक्ष श्री रबीन्द्रनाथ मिश्र,अरेड/नोएडा नियुक्त कयल गेलाह आओर महेंद्र झा, सहरसा उपाध्यक्ष। महासचिव डा रबीन्द्र चौधरी गणपतगंज/प्राचार्य,घाटशिला कालेज समेत अन्य अधिकारी यथावत रहताह। एहि बातक जानकारी परिषदक संस्थापक डा. धनाकर ठाकुर देलनि।
Trending Now
