रांची : झारखण्ड केँ राँची जिला कांके – अरसंडे – कृषि बिहार केँ रहनिहार आ कृषि विश्वविद्यालय रांची सँ सेवा निवृत विश्वविख्यात पशु चिकित्सक डॉ. डी. के. ठाकुर ( डॉ. दिनेश कांत ठाकुर) एवं कृषि विशेषज्ञ डॉ. डी. के. झा (डॉ. धीरेन्द्र कुमार झा ) केँ कृषि विश्वविद्यालय, रांची केँ 44म स्थापना दिवस पर हुनक सेवा क्रम मे उत्कृष्ट सेवा प्रदान करबाक हेतु विश्वविद्यालय द्वारा लाइफ टाइम अचीवमेंट अवार्ड प्रदान कयल गेल। दुनू गोटे केँ लाइफ टाइम अचीवमेंट अवार्ड झारखण्ड राज्य केँ महामहिम राज्य पाल श्री सी.पी. राधाकृष्णन केँ कर कमल सँ प्रदान कयल गेल।
डॉ. डी. के. ठाकुर : डॉ. डी. के. ठाकुर केँ आयु 85 वर्ष लगभग छनि। एहि आयु मे रहितो पशु चिकित्सा सेवा मे क्रियाशील छथि। हिनक द्वारा पशु चिकित्सा केँ कयल कार्य केँ अनुसरण कतेको चिकित्सक करैत छथि। अनेकों बेर विदेश जा क’ पशु चिकित्सा क्षेत्र मे भारत केँ बात प्रस्तुत कयने छथि। मुलत: डॉ. डी. के. ठाकुर बिहार राज्य केँ मिथिला क्षेत्र समस्तीपुर जिला केँ करियन गाम केँ रहैय वला छथि। हिनक घर मे तेसर पीढ़ी पशु चिकित्सा केँ क्षेत्र मे अपन क्रियाशीलता रखने अछि।
डॉ. डी. के. झा : डॉ. डी. के. झा केँ आयु 83 वर्ष छनि। सीड (बीज) पैथोलॉजी पर डॉ. डी. के. झा द्वारा पुस्तक लिखल गेल जाहि पुस्तक सँ कृषि वैज्ञानिक लोकनि बहुत लाभान्वित होईत छथि। मुलतः डॉ. डी. के. झा बिहार राज्य केँ मधुबनी जिला केँ बरहमोत्रा ग्रामक निवासी छथि।