रांची : आई डॉ श्यामा प्रसाद मुखर्जी केँ पुण्यतिथी केँ अवसर पर भारतीय जनता पार्टी केँ बलिदान दिवस मनाओल जाईत अछि। एहि बेर हिनक पुण्यतिथी पर भाजपा केँ द्वारा अभियान अछि जे स्व. श्यामा प्रसाद मुखर्जी केँ श्रद्धासुमन अर्पित केलाक उपरान्त वृक्षारोपण केँ कार्यक्रम होयत। प्रत्येक नेता संग कार्यकर्त्ता अपन माता केँ स्मृति मे एकटा वृक्ष लगौता। एहि क्रम मे आजुक भारतीय जनता पार्टी – झारखण्ड प्रदेश केँ रांची जिला केँ हरमू मंडल मे डॉ. श्यामा प्रसाद मुखर्जी पार्क मे सर्वप्रथम हुनक प्रतिमा पर राज्य सभा सांसद दीपक प्रकाश एवं संगठन महामंत्री झारखण्ड प्रदेश कर्मवीर सिंह केँ अनेको कार्यकर्ता संग माल्यार्पण क’ पुष्पांजलि देल गेल, तदोपरांत वृक्षारोपण कयल गेल। राज्यसभा सांसद दीपक प्रकाश अपन माता जीक स्मृति मे एकटा वृक्षारोपण कयलनि।
एहि कार्यक्रम मे राज्यसभा सांसद दीपक प्रकाश एवं संगठन महामंत्री संग हरमू मंडल अध्यक्ष इंद्रजीत यादव, वार्ड 26 केँ निर्वतमान पार्षद अरुण झा, अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् , झारखण्ड प्रदेश केँ अध्यक्ष अमरनाथ झा, संदीप वर्मा, प्रेम चंद्र झा , सुकुमार झा, समर सिंह, लक्ष्मी चंद्र दीक्षित, बनारस यादव, नवीन झा, सुनील साहू, अरगोड़ा मंडल अध्यक्ष मुनेश्वर साहू, गोविन्द वाल्मीकि संग अनेको वरिष्ठ एवं युवा कार्यकर्ता उपस्थित छला।

