spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeसाहित्यडॉ सुभाष चंद्र यादव वर्ष २०२३ के विश्वम्भर साहित्य सम्मान स सम्मानित...

डॉ सुभाष चंद्र यादव वर्ष २०२३ के विश्वम्भर साहित्य सम्मान स सम्मानित भेलाह

-

हिंदू नव वर्ष आ काल गणना दुनिया के सबसं वैज्ञानिक आ संतुलित काल गणनाअछि । हमरा अपन संस्कृतिआ सभ्यता क अक्षुण्ण रखे क लेल सतत प्रयास कर परत । भारत के यशस्वी प्रधानमंत्री आदरणीय नरेन्द्र मोदी जी संस्कृति क रक्षा, विकास एवं संवर्धन के लेल कार्य कय रहल छथि । आबै बला भविष्य हमर अछि कियेक त हमर संस्कृति ककरो द्वारा स्थापित नहीं अछि । हमर काल गणना वैज्ञानिक बिधि स अछि आ एहि काल गणना के माध्यम स जे हमर वर्ष परंपरा क आधारशिला राखल गेल अछि ओ बेहद मजबूत अछि। ई बात विशंभर फाउंडेशन ट्रस्ट के तत्वावधान में आयोजित हिंदू नव वर्ष कैलेंडर विमोचन सह विश्वंभर मैथिली साहित्य सम्मान समारोह के संबोधित करैत झारखंड प्रदेश भारतीय जनता पार्टी क महामंत्री संगठन आदरणीय कर्मवीर सिंह कहलाह । श्री सिंह कहलनि की विश्वंभर फाउंडेशन सांस्कृतिक आ साहित्यिक विरासत क अक्षुण्ण बनाबै में महत्वपूर्ण भूमिका निभा रहल अछि । हमर सहयोग फाउंडेशन के साथ रहत । कार्यक्रम क संबोधित करैत बाबू वीर कुंवर सिंह विश्वविद्यालय आरा के पूर्व कुलपति प्रोफेसर सुरेश कुमार सिंह कहलनि विश्वम्भर फाउंडेशन क कार्य सराहनीय आ बेहद महत्वपूर्ण होइत अछि । कार्यक्रम क दौरान फाउंडेशन क द्वारा विश्वंभर मैथिली साहित्य सम्मान स सम्मानित डॉक्टर सुभाष चंद्र यादव कय साहित्यिक यात्रा पर प्रकाश डालैत प्रोफेसर नरेंद्र कुमार झा कहलनि जे डॉ यादव मैथिली क ओहि साहित्यकार में स छथि जे मैथिली क एकटा विशाल आकाश प्रदान कयनहीं । डॉ यादव क कीर्ति में प्रगतिशीलता क साथ साथ परंपरा क झलक सेहो रहल । डॉक्टर यादव मैथिली क महान साहित्यकार में स एक छथि । ओ कहला की डॉ यादव न केवल मैथिली क रचनाकार छथि अपितु ओ हिंदी में सेहो अपन प्रतिभा क प्रदर्शन केने छथि । कार्यक्रम में दूरदर्शन रांची क पूर्व निदेशक प्रमोद कुमार झा सम्मान स सम्बंधित विषय प्रवेश करवेला। जखन कि कार्यक्रम में अतिथिलोकनि क स्वागत विश्वंभर फाउंडेशन क सचिन नवीन कुमार झा केला । कार्यक्रम में रांची क स्थानीय विधायक चंदेश्वर प्रसाद सिंह, आइ आइ सी एम् के पूर्व निदेशक प्रभाष चंद्र मिश्रा, विहिप के गंगा यादव, उपमहापौर संजीव विजयबर्गीय, प्रसिद्ध साहित्यकार केदार कानन मंच पर उपस्थित छलाह । एकर साथ साथ मैथिल समाजक गणमान्य अतिथिलोकनि सेहो एहि सम्मान समारोह में आबि कय एहि कार्यक्रमक शोभा बढ़ेला । सांस्कृतिक कार्यक्रम क संचालन किशोर झा मालवीय द्वारा भेल आ लोक सब ऋषभ भारद्वाज, राम सेवक ठाकुर आओर अवनींद्र ठाकुर क मनमोहक गीत क खूब आनंद लेला । विश्वम्भर फाउंडेशन क एहि कार्यक्रम में स्वागत गीत सुश्री अरुणी सांडिल्य गाबि कय सभक मन मोहि लेली । एकर संग अंतर्राष्ट्रीय महिला दिवस सप्ताह क अवसर पर फाउंडेशन द्वारा ११ प्रबुद्ध मैथिल महिला क सम्मानित केयल गेल, जाहि में फाउंडेशन क महिला समिति सदस्य अभिलाषा चौधरी, अर्चना झा, रानी झा, निभा झा, रूपा चौधरी द्वारा सम्मानित केयल गेल । कार्यक्रमक संचालन मैथिली साहित्यकार डॉ कृष्ण मोहन झा जी केलाह ।

Related articles

1 COMMENT

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts