लहरि रूम (दरभंगा) :मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे दरभंगा क’ कादीराबाद स्थित सरकारी पॉलिटेक्निक कॉलेज परिसर मे स्थित तारामंडल कें पर्यटनक प्रमुख केंद्र क’ रूप मे विकसित करबाक योजना तैयार कैल गेल अछि। एहि परिसर मे ‘दरभंगा हाट’ क’ स्थापना ‘मिथिला हाट’ क’ तर्ज पर होएत। एकर संगहि अहि परिसर मे साइंस पार्क आ एक्जीबिशन हॉल सेहो बनत। बिहार सरकार एहि परियोजना लेल 164.31 करोड़ टका क’ प्रशासनिक मंजूरी देलक अछि।
